जैनेन्द्र चौधरी, मयूर विहार, दिल्ली। अक्टूबर २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलांचल शक्ति केर अडिग निर्णयक आगाँ दिल्ली सरकारक निर्णय बनल बौना !!
दिल्लीक मयूर विहार मे स्थायी आ अस्थायी वास कय रहल मिथिलांचल वासी पैछला ११ साल सँ मांग कय रहल छल जे दिल्ली सरकार द्वारा छैठ घाट केर निर्माण कय छैठ समारोह केर आयोजन मे सहयोग करय, मुदा सरकार एहि कार्य लेल आश्वासन देलाक बादो आइ धरि कार्य पूरा नहि करा सकल छल। अन्त मे मिथिलावासी अपन बाप-पुरखाक ‘स्वयंसेवा सँ सब निर्माण सहज’ केर सिद्धान्त केँ अपनबैत ई काज अपने सब कियो मिलिकय पूरा करबाक निर्णय केलक अछि।
मिथिला समाज विकास सेवा समिति केर अध्यक्षता मे सब मैथिल एकत्रित भ कय मयूर विहार में २ जगह छैठ घाट केर निर्माण करबाक फैसला केलक अछि। दिनांक २५ अक्टूबर यानि काल्हि सँ एहि दुनु घाट केर निर्माण कार्य आरम्भ करैत यैह छैठ पूजा सँ पहिले घाट केर निर्माण कार्य पूरा करबाक प्रतिबद्धता सेहो प्रकट कैल गेल अछि। मिथिला समाज विकास सेवा समिति केर अध्यक्ष आदित्य कुमार आ संयोजक सचिन्द्र चौधरी आर समस्त कार्यकारिणी केर तरफ सँ मिथिलांचल वासी केर एहि साहसिक कार्य लेल मैथिल जनमानसक अलावे आरो लोक सब भरपूर शुभकामना आ सहयोग करबाक वचनबद्धता प्रकट केलक अछि।