सुभाषचंद्र झा, सहरसा। अक्टुबर ५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
जतय एक तरफ देश में बुलेट व टेल्गो ट्रेन चलयबाक योजना पर काज चलि रहल अछि ओतहि मानसी सँ सहरसा केर दूरी ७० किमी अछि मुदा ट्रेन केँ तीन घंटा लगैत अछि कारण लोकल यात्री अपना सुविधा अनुसार काश, घास, अनाज ट्रेन मे चढ़बैत छथि तहन ट्रेन चलैत अछि । तकरा वास्ते ट्रेन केँ वैक्यूम कय घंटों रोकल जाएछ । हद त तखन होइत अछि जखन यात्री बोगी मे सफर करैत सीट पर स उठा कय समान लादल जाएछ।
संलग्न तस्वीर बदहालीक जिन्दा नमूना कहल जा सकैत अछि । हालाँकि आर पी एफ इंस्पेक्टर अर्जुन कुमार यादव कहलनि जे समय समय पर कार्रवाई सेहो कएल जाएछ । मुदा एहि रेलखंड पर यात्री अपना केँ असुरक्षित महसूस करैत भेंड़-बकरी जेकाँ यात्रा करय लेल विवश छथि ।