दिल्ली, अक्टुबर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
आगामी ८-९ नवम्बर केँ प्रस्तावित मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा दरभंगा मे होमय वाला राष्ट्रीय अधिवेशन लेल काल्हि गाँधी जयन्तीक उपलक्ष्य केन्द्रिय समिति द्वारा दिल्लीक कनॉट प्लेस केर सेन्ट्रल पार्क में एकटा महत्वपूर्ण आम बैसार कैल गेल।
एहि बैसार केर आयोजन मिरानिसे केन्द्रीय समितिक उच्चाधिकारी यथा हेमन्त झा, संजीब सिन्हा व शरत झा कएलनि जखन कि एहि मे राम बाबू सिंह, मणिभूषण राजू, बिरबल यादव, रोहित यादव, रंजीत दास, मोहन राज झा, सुरेन्द्र झा सहित दिल्लीक विभिन्न क्षेत्र सँ दर्जनों नव लोकक सहभागिता देखल गेल। तहिना कपिलेश्वर पासवान, प्रमोद पासवान ( खोड़ा ), संतोष और शीतल चौधरी ( खादर ), अमर यादव, एस के झा, रंजीत सिंह राणा ( इंदिरापुरम ), संदीप झा और हुनकर टीम ( पटपरगंज), नॉएडा सँ सेहो लगभग २० नव युवा मैथिल और दुइ मैथिलानी सेहो उपस्थिति दर्ज करौलनि।
मिथिला समाजक वरिष्ठ अभियन्ता के. के. मिश्रा केर अध्यक्षता तथा शरत झा (राष्ट्रीय संगठन महामंत्री, मिरानिसे) केर संयोजन-संचालन मे ई बैसार अत्यन्त प्रेरणादायक रहल। आगामी अधिवेशन केर सफलता लेल विभिन्न विन्दु पर चर्चा कैल गेल। कोनो पैघ कार्य आपसी सहयोग व एकजुटता सँ सफल होएछ यैह सन्देश दैत वक्ता व सहभागी सभासद लोकनि मिथिला राज्य पुनर्स्थापना और ओकर औचित्य पर तर्कपूर्ण बात रखलनि।
एहि सभा मे मिथिलाक करीबन ८ जिलाक लोक शामिल भेलाह, सीतामढ़ी, मुज्जफरपुर, समस्तीपुर, दरभंगा, मधुबनी, सुपौल, सहरसा और पूर्णिया सँ प्रवासी मैथिल एतय अपन-अपन भावना ओ विचार रखलैन।
बैसारक शुरुआत सह संयोजक तथा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष हेमन्त झा द्वारा आगामी अधिवेशन निमित्त सहभागिता एवं सहयोग हेतु आह्वान कैल गेल जेकर बाद उपस्थित वक्ता लोकनि अपन-अपन विचार रखलैन। मिरानिसे केर स्थापना सँ लैत एखन धरिक धरातल पर कैल गेल विभिन्न अभियान एवम् ओकर सार्थक प्रभावक चर्चा उपस्थित जनमानस केँ काफी प्रेरित केलक।
मैथिलानी बबिता झा, अनिल झा ( विश्व मैथिल संघ ), आनंद झा ( मैथिल यूथ परिषद ), शैलेंद्र मिश्रा, पंकज प्रसून, विमल जी मिश्रा, संजीव झा, रामबाबू सिंह के संग तमाम मैथिल मिथिला अनुरागी लोकनि सेहो अपन अपन विचार रखलनि।
अंत मे धन्यवाद ज्ञापन मिरानिसे केर कोषाध्यक्ष संजीव सिन्हा द्वारा आगामी अधिवेशन केँ सफलता दियेबाक हिसाब सँ कैल गेल। मिथिला केर दुर्दशाक लेल बिहारक भूमिका केँ ओ तार्किक भाव सँ रखलनि।
उपस्थित सभासद सब भरपूर समर्थन केर आश्वाशनक संग दरभंगा अधिवेशन मे उपस्थिति देबाक सेहो संकल्प लेलनि। शरत झा द्वारा आंदोलन लेल धनक आवश्यकता पर जोर देबाक आग्रहपर एकर पूर्तिक लेल काल्हि-परसू सँ दिल्ली एनसीआर मे भिक्षाटन कार्यक्रम केँ सेहो सब कियो समर्थन देलनि। हाथों-हाथ किछु धन-संग्रह सेहो कैल जा सकल। संगहि एहि अवसर पर मैथिली जिन्दाबाद पत्रिका पढबाक अनुरोध कैल गेल, आर एकर प्रवेशांक १ सब सँ किनबाक अनुरोध कैल गेल जेकरा सब कियो सहर्ष स्वीकारलनि।