बिन्देश्वर ठाकुर, दोहा। अक्टुबर १, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरा सबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग विगत १४ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल कतार देशक राजधानी दोहामे मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतक कार्यक्रम “साँझक चौपाड़ि पर” केर चौदहम मासक बैसार काल्हि ३० सितम्बर २०१६ शुक्र दिन दोहाक मुन्ताजा पार्क मे सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल ।
युवा गजलकार असरफ राईन जीक संयोजकत्वमे शुरु भेल उक्त बैसारमे विभिन्न रस तथा भावक कविता, कता आ गजल सब वाचन कएल गेल । तहिना नेपाल, कतार एवं अन्य ठामक सर्जक सबहक किछु आनलाइन रचना सेहो वाचन कएल गेल ।
कार्यक्रममे प्रत्यक्ष रुपे कवि बेचन महतो, कवि अब्दूर रज्जाक, कवि विन्देश्वर ठाकुर केर सहभागिता भेल। तहिना हेल्प मधेशी दिस सँ सक्रिय युवा समाजसेवी वीरेन्द्र साह, दिनेश यादव, सतीश यादव, राम कल्याण यादव, पवन ठाकुर सहित विभिन्न अन्य गणमान्य श्रोता सबहक नीक उपस्थिती छल । समग्र मे ईहो साहित्यिक बैसार खूब नीक रहल ।