विद्यापतिधाम लछमिनियां केँ भेटल पर्यटन स्थलक दर्जा

समाचारः साभार कोसी टाइम्स

कुणाल किशोर, सहरसा। सितम्बर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

vidyapatidham-lachhminiya1विद्यापतिधाम लक्षमिनियां केँ पर्यटन विभाग द्वारा मान्यता दैत पर्यटन सूची सँ जोड़ल गेल अछि । धाम केर संस्थापक भोगेन्द्र शर्मा कहलैन जे पर्यटन मंत्री द्वारा पत्र दैत एकर सूचना देल गेल अछि । एहि खबैर सँ पूरा इलाकाक लोक मे प्रसन्नता आ उल्लास देखा रहल अछि।

शर्मा कहलैन जे धाम केर विकास हेतु विधायक अब्दुल गफूर द्वारा दुइ लाख केर लागत सँ यात्री विश्राम हेतु सामुदायिक भवन सेहो बनाओल गेल अछि । तहिना पूर्व विधायक संजीव झा सेहो धाम केर विकास में मदद केलनि अछि आर संरक्षक विमलकांत झा एहि उपलब्धिपर प्रसन्नता व्यक्त केलनि अछि ।

संपादकक नोटः

विदित हो जे एहि स्थलक परिकल्पनाकार मिथिला-मैथिलीक प्रसिद्ध मंच उद्घोषक किसलय कृष्ण तथा संस्थापक भोगेन्द्र शर्मा निर्मल छथि, जखन कि ग्रामीण देवनाथ यादव जमीनदाता आर समाजसेवी विमलकान्त झा सहित स्थानीय मुखिया व समस्त ग्रामीण-समाज एहि ठामक संरक्षक केर भूमिका मे छथि। १९ नवम्बर २०१४ केँ एकर उद्घाटन भेल छल, १९ नवम्बर २०१५ केँ एकर वार्षिक उत्सव सेहो मनायल गेल छल। एतय एखन धरि हजारों गणमान्य लोक सब पर्यटक बनिकय आबि चुकला अछि। स्थापना भेलाक बाद एहि ठाम सप्ताह मे दुइ दिन बड़ पैघ हटिया सेहो लगैत अछि। वार्षिकोत्सव पर बड़का मेला लगैत अछि। एहि ठाम मैथिली जिन्दाबादकेर उपस्थिति सब तरहें सब दिन होएत आयल अछि। एकर उत्तरोत्तर प्रगति मे आजुक ई समाचार जे साभार कोसी टाइम्स देल जा रहल अछि ताहि सँ प्रसन्नता भेटल अछि।