Search

जागरण फिल्म फेस्टिवल मे आइ मिथिला मखान केर प्रदर्शन

मुम्बई, सितम्बर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
mithila-makhaan2राष्ट्रीय सम्मान सँ पुरस्कृत मैथिली सिनेमा ‘मिथिला मखान’ केर प्रदर्शन जागरण फिल्म फेस्टिवल मे मुम्बई केर अंधेरी वेस्ट स्थित सिनेपोलिस (पूर्व नामः फन रिपब्लिक) सिनेमा घर मे संध्या पौने ५ बजे सँ प्रदर्शन कैल जायत। ई जनतब निर्देशक नितिन नीरा चन्द्रा अपन फेसबुक मार्फत करौलनि अछि।
 
दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा मिथिला मखान केर प्रदर्शनक बात मुम्बई मे रहनिहार मिथिलावासी व मैथिलीभाषी लेल एकटा सुवर्ण अवसर आ गौरवक क्षण होयत कहैत एहि लेल संस्था सँ आबद्ध सदस्य लोकनिक संग-संग मैथिली-मिथिलाक अनेक अभियान मे संग देनिहार सब सँ अपील करैत एहि सिनेमाघर पर ससमय पहुँचबाक अनुरोध केलनि अछि।
 
विदित हो जे ई मैथिली सिनेमान कतेको रास रेकर्ड अपना नाम कय चुकल अछि। परन्तु मैथिली सिनेमा मे रिस्क उठेनिहार निर्माता व वित्तीय लगानीकर्ताक एहनो महत्वपूर्ण सिनेमा लेल अकाल अछि जाहि कारण ई सिनेमा एखन धरि रिलीज नहि कैल गेल अछि। सूत्र सँ पता चलल जे लगभग १ करोड़ केर आरो लगानीक आवश्यकता अछि जाहि सँ ई सिनेमा समुचित ढंग सँ रिलीज करैत मैथिली सिनेमा जगत मे एक नव युग केर आरम्भ करत। हलांकि ई निश्चित छैक जे बहुचर्चित आ सफल फिल्म मिथिला मखान नहि मात्र पूँजी असूली करत बल्कि एहि सिनेमा सँ नीक लाभार्जन सेहो कैल जायत, मुदा पूर्वक अनुभव ओतेक नीक नहि रहबाक कारण आ मैथिली सिनेमा प्रति दर्शक तथा सिनेमाघरक मालिक आदिक उदासीनताक कारण एकटा रिस्क अछि जे लगानी असूली कोना होयत। यैह नकारात्मकताक स्थिति सँ उबार भेटब मैथिली सिनेमा लेल टर्निंग प्वाइन्ट सिद्ध होयत। देखा चाही जे आइ मुम्बई मे दर्शक सहित लगानीकर्ता समाजक केहेन मूड बनैत अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ शुभकामना अछि।

Related Articles