राम बाबू सिंह, दिल्ली। सितम्बर २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

एहि बैसारक मुख्य ४ टा मुद्दा छल। १. मैथिली केर विकास २. मिथिला केर सर्वांगीण विकास ३. मिथिला राज्यक गठन आ ४. स्थानीय समस्या केर समाधान। १६ टा मिथिलावासी अपन-अपन विचार रखलनि आ संघर्ष समिति केर आंदोलन मे पूर्ण सहयोगक वादा केलैन।
बैसारक शुभारंभ सजन कुमार झाजी द्वारा भगवती गीत ” जय-जय भैरवि…..” आ मिथिला आंदोलनी गीत सँ भेल। मुख्य वक्ता संघर्ष समिति के अंतरराष्ट्रीय संयोजक प्रो० अमरेन्द्र कु० झा, राष्ट्रीय प्रवक्ता ईं० शिशिर कुमार झा, कार्यकारिणी सदस्य मिहिर कु० झा आ सजन कु० झा रहथि। अजय झा दिनकरजी केर दोहा पढि सब केँ आंदोलित आ उद्वेलित केलैनि।
एहि बैसार मे सर्वसम्मति सँ ११ सदस्यीय एकटा संचालन समिति केर गठन सेहो कैल गेल जकर संयोजक राजेश कुमार सिंह केँ चुनल गेल। बैसार मे उपस्थित सब लोक थपङी सँ एकर स्वागत कय जल्द अगिला बैसारक बात दोहरोलैनि। मिथिला राज्य जिन्दाबादक जोर-शोर सँ नाराक बाद बैसारक कार्यवाही समापन भेल।