मिथिला जागृति मंच कोलकाता द्वारा पटनामे नाटक प्रदर्शन

मुकेश झा, पटना। सितम्बर १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

natak-patnaपटना मे मैथिली नाट्य संस्था आर समूहक लोकप्रियता जगविदिते अछि, परन्तु कोलकाता मे सेहो मैथिली नाट्य समूहक लोकप्रियता बालीवुड धरि ख्यात रहबाक संग मैथिली नाट्य साहित्य मे पर्यन्त एक सँ बढिकय एक सर्जक प्रदान करबाक बात स्थापित अछि।

मिथिला जागृति मंच दक्षिण कोलकाता द्वारा १३ सितम्बर मंगल केर साँझ सात बजे सँ थियेटर प्रस्तुति-प्रदर्शनक प्रसिद्ध स्थली कालीदास रंगालय पटना मे लोकप्रिय नाटक तीसवीं शताब्दी केर सफल मंचन कैल गेल। एहि नाटकक निर्देशन अहमद जमाल कएलनि। ई नाटक हिरोशिमा पर परमाणु हमलाक बादक स्थिति आओर वर्तमान डर – परमाणु सँ मानव व अन्य जीव केर जीवन पर खतराक भय पर आधारित छल। उपस्थित दर्शक नाटकक प्रस्तुति, कलाकारिता आ मंचन आदिक भरपूर प्रशंसा कएलनि।