१०० वर्षक बाद पुनर्प्रकाशित मिथिला मोदक विमोचन प्रभात झा द्वारा

काशी, सितम्बर ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila-mod-kashiचिरप्रतिक्षीत मिथिला मोद मैथिली पत्रिकाक पुनर्प्रकाशन काशी सँ कैल गेल अछि। एकर विमोचन भाजपा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा द्वारा पैछला रवि ४ सितम्बर केँ मैदागिन स्थित नागरी प्रचारिणी सभा परिसर मे कैल गेल।

मैथिल समाज बनारस केर अथक प्रयास सँ मिथिला मोद समान प्रतिष्ठित मैथिली पत्रिकाक पुनर्प्रकाशन संभव हेबाक सत्यकेँ मुख्य अतिथि प्रभात झा सहित उपस्थित अन्य गणमान्य अतिथि सराहना कएलनि। विदित हो जे मिथिला मोद मैथिली पत्रकारिता जगत मे पहिल पत्रिकाक प्रतिष्ठा हासिल कएने अछि।

mithila-mod-kashi1एकर पुनर्प्रकाशन केर परिकल्पक मैथिली भाषा-साहित्यक शोधवेत्ता मे एक डा. पंकज कुमार झा केर संचालन मे मैथिलीक प्रथम पत्रिका मिथिला-मोद केर पुनर्प्रकाशन भेल प्रथम अंकक विमोचन बीजेपी केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सांसद माननीय प्रभात झा जी द्वारा कैल गेल। समारोह केर सभापति प्रसिद्ध साहित्यकार विद्यानाथ झा विदित, विशिष्ट अतिथिगण समाज सेवी प्रफुल्लचन्द्र झा, समाज सेविका साहित्यकार कुमकुम झा, उत्तर प्रदेश बार काउंसिल केर पूर्व चेयरमैन अरुण कुमार त्रिपाठी, काशी राज परिवार केर जामाता डॉ॰ अशोक कुमार सिंह, प्रसिद्ध साहित्यकार डॉ॰ जितेंद्रनाथ सिंह छलाह। स्वागत गौतम कुमार झा एडवोकेट तथा धन्यवाद ज्ञापन मैथिल समाज बनारसक अध्यक्ष निरसन कुमार झा एडवोकेट द्वारा कैल गेल।

mithila-mod-kashi2राज्यसभाक सांसद सेहो रहला भाजपा नेता प्रभात झा द्वारा एहि कार्यक्रम लेल अपन फेसबुक द्वारा सेहो उद्घोषणा कैल गेल छल। काशी वर्तमान भारतीय प्रधानमंत्री तथा भाजपा सरकारक मुखिया नरेन्द्र मोदीक संसदीय क्षेत्र सेहो थीक, ताहि ठाम मैथिली कार्यक्रम मे भाग लेबाक भावना ओ रखने छलाह। काशी मे आबि मिथिला मोद केर पुनर्प्रकाशित पहिल अंक केर विमोचनक सौभाग्य अपना भेटबाक बात कहैत काशीक मैथिल समाज केँ एकजुट बनि अपन सामर्थ्य सँ सब तरहक अधिकारसंपन्नताक भावना सेहो रखलैन। एहि अवसर पर अन्य वक्ता लोकनि सेहो पत्रिकाक प्रकाशनक संग काशीक मैथिल समाजक योगदानक ऐतिहासिकता सँ प्रेरणा पेबाक बात कहलैन। एकरा निरंतरता देबा मे मैथिल समाज बनारस आर खासकय एकर अध्यक्ष एडवोकेट निरसन झा व अन्य वरिष्ठ सदस्य लोकनि केर भूमिका सराहनीय अछि, ई भावना सब कियो रखलैन।

विगत किछु समय सँ मैथिल समाज बनारस द्वारा बहुतो रास महत्वपूर्ण कार्य कैल गेल अछि जाहि मे दहेज मुक्त विवाह सँ लैत विद्यापतिक स्मृति आ वर्तमान मैथिली-मिथिला अभियानी लोकनिक स्वागत-अभिनन्दन समारोहक आयोजन सब कैल गेल अछि जाहि सँ मैथिली-मिथिला क्षेत्र मे प्रगतिशीलताक नव इतिहास सब बनल अछि, ई भावना मैथिली जिन्दाबादक सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी रखलैन अछि।