मिथिला यानि नेपाल-भारत सीमाक्षेत्र मे अंग्रेज विद्वानक शोध

परिचयः मैथिल महिला सभक खिस्सा

– डा. रामानन्द झा ‘रमण’, पटना

मैथिल विमेन्स टेल्स – अर्थात् मैथिल महिला सभक खिस्सा – नेपाल-भारत केर सीमाक्षेत्र मे खिस्सा कहिनी नामक पोथी कैरोलिन वी. डेविस द्वारा लिखल पोथी पढलाक बाद राखल गेल विचारः

maithil women tales

Caralynn V. Davis, University of Illinois बहुत दिन धरि जनकपुरमे डेरा खसाए महिला लोकनिसँ मैथिली लोक कथा आ कथा- पिहानी सुनैत एवं टिपैत रहलीह।

ओ एहि काजक लेल सामान्यतः झुरकूट बूढि आ अभावग्रस्तक चयन करैत छलीह। हुनक आंगन जाए हुनका संगे उठैत-बैसैत सुनल करथि। ओहि कथाक आधार पर मिथिलाक ओहि इलाकाक लोक-जीवनक विश्लेषण तथ्यपरक अछि। Caralynn V. Davis द्वारा मैथिली लोक साहित्यक कएल गेल विश्लेषण पढ़ि सन्तोष भेल आ दाम (49.5 डौलर) उपर भेल अनुभव करैत छी।