छैठ घाट निर्माण आ विकास लेल कृतसंकल्पितः सांसद महेश गिरी

जैनेन्द्र चौधरी, मयूर विहार, नई दिल्ली। सितम्बर ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mayur vihar3नई दिल्लीक मयूर विहार क्षेत्र मे पूर्वाचंल मिथिलाचंल समाज मिलिकय पूर्वाचंल मिथिलाचंल गोष्ठी कार्यक्रम केर आयोजन केलक। एहि कार्यक्रम में मिथिलाचंल पुर्वांचाल समाज केर गणमान्य और प्रतिष्ठित लोक सब जाहिमे वकील, डॉक्टर, इंजीनियर सब सहभागिता देलैन।

अतिथि रूप में पूर्वी दिल्लीक लोकप्रिय सांसद माननीय महेश गिरिक उपस्थिति कार्यक्रमक मुख्य आकर्षण छल। समाजक सब गोटा मिलिकय सांसद महेश गिरि केँ पगड़ी आ फूल माला सँ भव्य स्वागत केलैन। आयोजक संस्थाक तरफ सँ समस्त समाजकेर प्रतिनिधित्व करैत मिथिला समाज विकास सेवा समितिक संयोजक सचिन्द्र चौधरी द्वारा माननीय सांसद केर सोझाँ विद्यमान समस्या सब राखल गेल।

चौधरी मयूर विहार मे एकटा डाकखाना, बारात घर तथा स्वास्थ्य जाँच केन्द्र केर स्थापनाक मांग रखलाह। तहिना स्थानिय निगम पार्षद निक्की सिंह, पूर्वाचंल, मिथिलाचंल और पूरा समाज मिलिकय एक स्वर में वसुन्धरा एन्क्लेव सँ न्यू अशोक नगर  तक करीब १ किलोमीटर लंबा छैठ घाटक निर्माण कार्य करबाक आग्रह केलनि। क्षेत्रीय सांसद केँ ई जानकारी दैत जे मयूर विहार में अपन समाजक लगभग ४० प्रतिशत लोक रहैत अछि जेकरा आसपास में छैठ घाट नहि भेटबाक चलते बड दूर-दूर केर घाट मे जेबाक बाध्यता सँ बहुत दिक्कतक सामना करय पड़ैत छैक। ओ ईहो कहलखिन जे कतेको घाट कच्चा हेबाक कारण अप्रिय दुर्घटना घटबाक सम्भावना सेहो बनल रहल छैक।

सांसद महेश गिरि पूरे समाजक लोक सबकेँ ई आश्वासन देलैन । ओ कहलैन जे “छैठ घाट केर निर्माण कार्य करबाक लेल हम पूरे लगन व महेनत सँ कार्य करब। हम समस्त पूर्वाचंलवासी मतदाताक आभारी छी जे हमरा सांसद धरि पहुँचौलनि। ओ मिथिलाक पवित्र धरती आ ओहि ठामक मीठ भाषा केँ स्मृति मे अनैत निजी अनुभव सेहो सुनौलनि। अपन संन्यासी जीवनकाल मे मिथिलांचल में सेहो भिक्षा ग्रहण कयकेँ जीवन ब्यातित करबाक अनुभव ओ उपस्थित जनमानस सँ साझा केलनि। ओ अपन संबोधन मे स्पष्ट रूप सँ कहलैन जे मिथिलांचल केर भिक्षाक ऋणी छी और एहि समाजक उत्थान लेल कृतसंकल्पित छी।