कृष्णानन्द चौधरी ‘वत्स’, लगमा, दरभंगा। अगस्त २३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रधानमंत्री ग्रामीण सड़क योजना कऽ अंतर्गत दिनांक 19/08/16 कें सकतपुर-शेरपुर होइत नदियामी घाट तक कुल 5 किमी सड़कक निर्माण हेतु दरिभंगाक सांसद कीर्ति आजाद लगमा गाम निवासी श्री परमानन्द चौधरीक सहयोगसँ उद्घाटन केला।
विदित अछि जे पूर्वहु मे बहुत रास सड़क निर्माण योजनाक उद्घाटन कीर्ति आजाद द्वारा कैल गेल, परञ्च स्थानीय प्रशासन व राज्य केर किछु छुपा रुस्तम ओहि सब कार्य केर प्रगति पर कोनो न कोनो तरहक अंकूश लगौलक जेकरा विरोध आजाद द्वारा कराओल जाएत रहल। बाद मे जिलाधीश केँ एहि बात लेल सख्त हिदायत सेहो देल गेलनि। उम्मीद करी जे ई योजना पर शीघ्र पूरा करेबाक इन्तजाम होयत।

1 Comment
e t bahoot barka kaaj kela Sansad Mahoday humra sab k lel.