मधुबनी मे मैथिली उपन्यान प्रस्थान केर भेल लोकार्पण

मधुबनी। अगस्त ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

साभारः प्रो. दमन कुमार झा केर फेसबुक अपडेट

prasthan upanyasमैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति, मधुबनी द्वारा प्रकाशित उमाकान्तक मैथिली उपन्यास ‘प्रस्थान’क लोकार्पण आइ डॉ भीमनाथ झाक हाथे प्राथमिक विद्यालय शिक्षक संघ भवनमे संपन्न भेल ।

एहि अवसर पर लोकार्पणकर्ताक अतिरिक्त सर्वश्री उदय चंद्र झा विनोद, रमेश, कमलेश, आदि उपन्यास पर गम्भीरतापूर्वक चर्चा कयलनि। कार्यक्रमक अध्यक्षता डॉ हेमचंद्र झा कयलनि।आ संचालन दिलीप कुमार झा द्वारा कयल गेल। एहि अवसर पर शहरक गण्यमान्य लोक उपस्थित छलाह।