मिथिलाक नेतृत्व मुख्य सरोकारवालाक हाथ मे होयतः मिरानिसे

दरभंगा, जुलाई ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns supaul pappu nayakमिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा जानकारी करबैत कहलैन अछि जे आइ पप्पू कुमार नायक केँ सुपौल अनुमंडल मे संगठन विस्तार केर भार सहित प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर हाथ सँ सदस्यता प्रमाणपत्र हस्तान्तर कैल गेल अछि। श्री झा अपन भावना रखैत कहलैन जे कोनो भी संस्था वा आंदोलन केर मेरुरज्जु होइत अछि संगठन, एहेन संगठन जे हर तरहें आंदोलन केँ घर-घर तक पहुंचा सकै। मिरानीसे संगठन निर्माण लेल प्रयासरत अछि। मैथिल भाई-बंधु केर स्नेह सेहो भेट रहल अछि। श्री नायक पढल-लिखल, कर्मठ आ खुला विचार केर धनी छथि, आइ मिरानीसे मिथिला राज्य अध्यक्ष श्री रंगनाथ ठाकुर जी केर हाथ सँ सदस्यता ग्रहण केलाह। संगहि आगामी 8-9 नवम्बर केर आहूत मिरानीसे राष्ट्रिय अधिवेशन सह आमसभा लेल 100 सदस्य बनेबाक प्रण कएलाह। मैया जानकी नायक जी केर उत्साह बनौने रहथि। मिरानीसे में नायक जी के स्वागत। जय मिथिला जय जानकी।

“जय मिथिला – जय जानकी!!” – यैह मूल नाराक संग मिरानिसे केर पुनरुत्थान भेल अछि। सचमुच! जानकीक साक्षात् कृपा बरैस रहल अछि आ मिथिला आन्दोलन मे आब जाहि वर्गक हाथ मे नेतृत्व जा रहल अछि वैह थिकाह असली हकदार। बहुत दिन धरि विद्वत् लोकनि अपना तरहें एहि आन्दोलन केँ जीबित रखलैन। लेकिन ग्राउन्ड फोर्स केर हाथ धरि आन्दोलनक डोरी आब मिरानिसे केर वर्तमान प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर नेतृत्व सँ जा रहल अछि। अनुभव आ व्यवस्थापन दुनू मे दक्ष आदरणीय डा. ठाकुर जानकी भक्त होयबाक संग-संग मिथिलाक मूल पुरुष जनकक बड पैघ प्रशंसक छथि। आइ हिनकहि देल नारा केँ हम सब बुलन्द कय रहल छी। हिनकर कहब बहुत प्रभावित करैत अछि, जखन ई अत्यन्त शालीन स्वर मे कहैत छथिन जे हमरा जानकीक आह्वान बुझायल, ओ कहि रहली अछि जे हमर बापक राज्य मिथिला केँ फेर सँ एहि पृथ्वी पर स्थापित करे मिथिलापुत्र…!
 
भीख नहि अधिकार चाही
जानकीक बापक मिथिला राज्य चाही!!
 
हरिः हरः!!