Search

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक जनजागरण अभियान ६ अगस्त सँ

दरभंगा, अगस्त २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns pradeshपैछला दुइ मासक अथक परिश्रम सँ मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रादेशिक संगठन आ मूल मिथिला मे कार्यालय तथा खाता खोलि स्वराज्य (मिथिला राज्य) लेल जनजागरण अभियान आरम्भ करबाक योजना सफलतापूर्वक ३१ जुलाई, २०१६ केर बैसार द्वारा पूरा भेल अछि।

मिरानिसे केर राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम सुन्दर झा केर संयोजकत्व मे गठित ११ सदस्यीय समन्वय समिति द्वारा प्रदेश कार्यकारिणीक गठन कैल गेल अछि। प्रदेश अध्यक्ष केर जिम्मेवारी वरिष्ठ राजनीतिकर्मी एवं मैथिली-मिथिला अभियानी डा. रंगनाथ ठाकुर केँ सौंपल जेबाक जानकारी करबैत ओ कहलनि जे आब हुनकर अध्यक्षता मे राष्ट्रीय कार्यकारिणी व प्रदेश कार्यकारिणी सझिया रूप सँ जनजागरण अभियान केँ तीव्रता प्रदान करत।

जानकारी देल गेल अछि जे प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर टीम मे उपाध्यक्ष आनन्द ठाकुर ओ अंजनी कुमार चौधरी केँ चुनल गेल अछि। तहिना दरभंगा आ सहरसा सँ क्रमशः दुइ प्रदेश महासचिव हेमन्त कुमार झा एवं सुभाषचन्द्र झा केँ पदभार देल गेल अछि। राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा जानकारी देलनि जे एहि तरहें आरो अलग-अलग क्षेत्र सँ ३ अन्य महासचिव एवं लगभग हरेक जिला सँ एक सचिव केँ पदभार देबाक प्रक्रिया प्रदेश कार्यकारिणी गठन भविष्य मे सेहो जारी रहत। एहि लेल मिथिलाक पहिचानक प्रतीक जानकी केर प्राकट्यस्थल पुनौराधाम (सीतामढी) सँ ६ अगस्त सँ सम्पर्क अभियान चलाओल जायत।

वर्तमान कार्यकारिणी मे सहरसा जिलाक अध्यक्ष केर रूप मे सुप्रसिद्ध मिथिला सेनानी भोगेन्द्र शर्मा निर्मल केँ चुनल गेल अछि। तहिना दरभंगाक उपाध्यक्ष केर रूप मे अभिनन्दन मिश्रा केर चुनाव कैल गेल अछि। प्रदेश सचिव केर रूप मे हाल लेल एकमात्र सदस्य मैथिली फिल्मक्षेत्र मार्फत अपन योगदान दैत आबि रहला नवीन चौधरी केर चुनाव कैल गेल अछि। आगामी समय मे प्रत्येक जिला सँ एकटा सचिव केर चुनाव सेहो कैल जायत।

एहि चुनावक संग मिरानिसे सदस्यता अभियान केँ सघनता सँ संचालन करबा मे पदाधिकारी लोकनि जुटि गेला अछि, ई जानकारी उपाध्यक्ष आनन्द ठाकुर उपलब्ध करौलनि। आपसी कार्यविभाजन सँ हरेक पदाधिकारी मार्फत अलग-अलग क्षेत्र मे सघन सदस्यता अभियान संचालित कैल जा रहल अछि, जतय हम मुजफ्फरपुर आ समस्तीपुर मे ध्यान दय रहल छी ओतहि मधुबनी आ झंझारपुर क्षेत्र मे अभिनन्दन मिश्रा भार ग्रहण करैत कार्य केँ आगू बढौलनि अछि।

एम्हर राष्ट्रीय कार्यकारिणीक पदाधिकारी लोकनि सेहो प्रदेश कार्यकारिणी संग सहकार्य करैथ एहि तरहक सुझाव मिरानिसे सल्लाहकार तथा राष्ट्रीय वैचारिक एवं आर्थिक समिति केर परिकल्पक अनिल झा रखलैन। एक उपाध्यक्ष संजय मिश्रा (मुजफ्फरपुर), २ महासचिव संजय मंडल व राजेश झा एवं राष्ट्रीय अध्यक्ष  श्याम सुन्दर झा वर्तमान समय मिथिला मे छथि, आपसी समन्वय सँ सबकेँ जोड़िकय आगामी नवम्बर ८-९ केँ होमयवला राष्ट्रीय महाधिवेशन धरि निरन्तर कार्य करबाक वचनबद्धता प्रकट केलनि अछि। जानकारी दी जे राष्ट्रीय वैचारिक एवं आर्थिक समिति केर निर्माण सेहो आबयवला दिन मे कैल जेबाक अछि जेकरा लेल बाहर रहनिहार मैथिल विचारक एवं सहयोगदाता केँ समेटैत एकटा कार्यसमिति बनेबाक अछि, जेकर भार अनिल झा एवं प्रवीण नारायण चौधरी पर अछि।

ओम्हर मिरानिसे केर दिल्ली केन्द्र सँ उपाध्यक्ष हेमन्त झा तथा कोषाध्यक्ष संजीब सिन्हाक संग अन्य पदाधिकारी लोकनि सेहो प्रदेश कार्यकारिणी गठन पर प्रसन्नता व्यक्त करैत आगामी योजना मे सफल बनबाक लेल शुभकामना आ सहयोग केर वचनबद्धता सेहो दोहरेलैन अछि।

मिथिला राज्य निर्माण सेना सदैव कार्य करबाक आ सबहक सहयोग केँ संङ्गोर सँ एक-एक डेग आगू बढेबाक योजना बनेबाक लेल जानल जाएत अछि। राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम सुन्दर झा एवं महासचिव संजय कश्यप केर अप्रतिम प्रयास सँ संस्थाक बैंक खाता सेहो खुलि गेल अछि। संस्थाक कार्यालय तत्काल लेल इम्पल्स कोटाक समीप एक परिसर मे राखल गेल अछि। जाबत कोनो मुख्य स्थान पर कार्यालय लेल जगह नहि भेटि जाएछ ताबतकाल लेल एहि परिसर मे कार्यालय रखबाक जानकारी महासचिव एवं इम्पल्स कोटा केर संस्थापक राजेश झा बतौलनि।

मिरानिसे केर संस्थापक एवं समन्वय समितिक सल्लाहकारक रूप मे सहयोग कएनिहार मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी प्रदेश कार्यकारिणीक गठन पर अत्यन्त हार्दिक प्रसन्नता व्यक्त करैत कहलैन अछि जे एकटा सपना २ सालक प्रतीक्षाक बाद पूरा भेल आ आब दोसर सपना २०१९ मे पूरा होयबाक उम्मीद बढि गेल अछि। एहि प्रदेश कार्यकारिणी व राष्ट्रीय कार्यकारिणी द्वारा लक्ष्य हासिल करबा मे तन-मन-धन सँ समर्पित रहिकय काज करबाक आवश्यकता अछि। ओ एहि वास्ते मिथिलाक धरातल पर मौजूद १०० सेनानी – विश्व भरि मे पसरल १०० विचारक तथा १०० सहयोगदाताक सूची देबाक वचन दैत एहि अभियान केँ जोश व उत्साह देबाक प्रयत्न केलनि अछि।

विदित हो जे मिथिला राज्य निर्माण जनक-जानकी केँ पुनर्स्थापित करबाक सपना थीक। जहिना समृद्धि – समस्त ऋद्धि-सिद्धि ताहि युग मे मिथिला मे विद्यमान छल तहिना पुनः मिथिला राज्य निर्माण सँ होयत। ई जाबत धरि बिहार राज्य मे रहत, पटनाक शासन मे एकरा चहुमुखी विकास कहियो नहि होयत। मिथिलाक्षेत्रक जनप्रतिनिधि केर थोंथ सँ पटना आ दिल्ली जाएते आवाज हेरा जाएत अछि। ई सब प्रदेशक गंगा दक्षिणक नेता आ राष्ट्रीय स्तरक नेता सबहक दबाव मे अपन मूल मुद्दा सँ भटैक जाएत छथि। तैँ आब मिथिला अपन राज्य बनय, एकर अपन अलग राजधानी आ कोष हो। मिथिलाक लोक जे लगभग तीन-चौथाई गरीबी रेखा सँ नीचाँ जीबय लेल मजबूर अछि तेकर कल्याण लेल पृथक् राज्यक आवश्यकता अछि। – प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर पटना-दिल्ली केँ चेतावनी दैत ई भावना रखलनि आर आगामी नवम्बर मे शक्ति प्रदर्शन करैत अन्तिम शान्तिपूर्ण सन्देश देबाक बात सेहो इशारा मे केलनि।

Related Articles