मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपालद्वारा “हम आ हमर पहिचान” शीर्षककेर वक्तृत्वकला समपन्न
दिनेश रसिया । श्रावण १०, लहान । मैथिली जिन्दाबाद!!

लहानक एपेक्स एजुकेशनल एकेडमीमे समपन्न कार्यक्रममे कुल ८ टा सामुदायिक विद्यालयक जम्मा १५ गोटे छात्र–छात्रा सहभागी भेल छल । मैथिली भाषा, सँस्कृति, पहिचान आ महत्वकेँ उजागर करैत आधारभूत तहमे मैथिली विषय अनिवार्य लागु करेबाक उद्देश्यसं विभिन्न स्कूलसबमे पहुँचिकय कार्यक्रम सब करैत आइब रहल अछि एम.एस.यू. नेपाल ।

एम.एस.यू. नेपाल द्वारा अपन मूल मातृभाषा, संस्कार आ पहिचान प्रति छात्र स्तर सँ जागरुकता बढेबाक एहि प्रगतिशील डेगकेर भरपूर प्रसंशा करैत विभिन्न विद्यालयक प्रधानाध्यापक व शिक्षक संग-संग अभिभावक लोकनि आगामी दिन मे आरो महत्वपूर्ण कार्यक्रम आयोजन करबाक आ तेकरा यथासाध्य सहयोग देबाक वचनबद्धता प्रकट केलैथ।
कार्यक्रमकेर प्रमुख अतिथि संचारकर्मी आ साहित्यकार रोयाण्टर मण्डल एहि तरहक आयोजन सँ शिक्षाक स्तर मे सुधारक संग-संग छात्र व शिक्षक बीच मातृभाषा आ मूल संस्कारक मर्म सँ पठन-पाठनक अवस्था मे सेहो उल्लेखनीय प्रगति होयबाक विश्वास जतेलनि। हुनका हिसाबे मैथिलीमे पहिल एगो एहन संस्था आयल जे अपन जैड़ केँ पटौनीक काज कय रहल अछि । वर्तमान अकाल युग मे अपन भाषा सँ दूर भागि रहल मैथिली समुदायकेँ आगाँ बढाबय मे आ अपन कर्मसँ समाज केँ फूलय-फलय योग्य बनाबय मे लागल युवासभकेँ जोश देखि फेर सँ मुख्य अतिथि मण्डल जे मैथिली संचारकर्म मे सेहो सेवा करैत रहला अछि हुनका मैथिलीमे सक्रिय होयबाक इच्छा जागि गेलनि ई भावना रखलैन।
कार्यक्रममे अपन मन्तव्य रखैत अतिथि कृष्णमोहण चौधरी कहलैन जे मैथिली विश्वकेर मधुरतम भाषा अछि मुदा वर्तमान समय विभिन्न कारणवश ई लोपोन्मुख अवस्थामे पहुँचि गेल अछि। एकर उत्थान लेल ओ समपूर्ण युवावर्गकेँ आगाँ आबय लेल अनुरोध केलैन । अपन मायक बोलकेँ पछाडी पड़लामे कचोट होइत छल मुदा युवाक अहि जोशसँ मरहम लागल ई भावना प्रो. चन्द्रकान्त पण्डित अपन विचारमे सभा केँ संबोधित करैत रखलैन ।
कार्यक्रम अवधिभैर नव उदीयमान गायक तेजु मैथिल, सृजना गजमेर, ज्योति विक, संजय महतो, दिनेश रसिया, गायत्री सिंह, रितेश मैथिल, जाबेद अली, लगायत अन्यान्य सर्जक सभक सुमधुर गीत, गजल, चुटकुला, कविता आदि सेहो प्रस्तुत कैल गेल। कार्यक्रमक संचालन गजेन्द्र गजुर केलैन जाहिमे दर्जनों विद्यार्थी, स्थानीय वासी, पत्रकार, शिक्षक, साहित्यकार सभक उपस्थिति रहल से एमएसयू नेपालक सचिब गायत्री सिंह जानकारी देलैन । एपेक्स एजुकेशनल एकेडमीक प्रमुख भरत साहकेर अध्यक्षतामे सभा सम्पन्न भेल । निकट भविष्य मे एहेन आरो कार्यक्रमकेँ निरन्तरता देल जायत आर आनोआन नव कार्यक्रम अपन छात्र, समाज व भाषा-संस्कृति लेल कैल जेबाक जनतब एमएसयू नेपालक उपाध्यक्ष सृजना गजमेर देलैन ।