Search

कोसी मे पानीक बहाव केर दबाव सँ रेल सेवा प्रभावित

सहरसा-मानसी रेलखंड केर परिचालन शनि दिन केर रात्रिकाल सँ बंद

गरीब रथ, पुरबिया, कोशी आ राजरानी एक्सप्रेस नहि चलत

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जुलाई २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

saharsa manasi rail line kosiपूर्व मध्य रेल केर समस्तीपुर मंडल रेल अंतर्गत सहरसा, मानसी रेलखंड बीच फनगो हॉल्ट केर आसपास कोशी नदीक धारा रेल लाइन (पटरी) केर बिल्कुल करीब आबि गेल अछि। प्रोटेक्शन वर्क वास्ते काल्हिये सँ डीआरएम समस्तीपुर कैंप कय रहल छथि। प्रोटेक्शन वर्क केँ तेजी सँ पूरा कराबय लेल एवं रेल पथ पर पानि केर दबावक वजह सँ शनियेक रात्रिकाल सँ जनसेवा केर परिचालन उपरान्त एहि रेल खंड पर तत्काल परिचालन बंद कय देल गेल अछि।

ओना आय दिल्ली जाय वाला के लेल गरीब रथ व पुरबिया केर परिचालन नहि होयत लेकिन कहल जाएत अछि जे सहरसा-कटिहार रेलखंड सँ ओहि ट्रेन सब केँ पठाओल जायत। डीआरएम सुधांशु शर्मा कहलनि जे परिचालन बिल्कुल बंद अछि और गरीब रथ, पुरबिया, कोशी एक्सप्रेस एवं राजरानी एक्सप्रेस सेहो बदं रहत। डीआरएम श्री शर्मा मोबाईल सँ संपर्क कयला पर बताैलनि जे कटिहार केर तरफ सँ ट्रेन परिचालन करबाक लेल तकनीकी आदेश भेटलाक बादे संभव होयत।

Related Articles