अरुणाभ सौरभ, दिल्ली सँ! मैथिली जिन्दाबाद लेल १० जुलाई प्रेषित संवाद!
काल्हि 9 जुलाई कें ‘सजग कविता संस्कृति’ केर तत्वावधान मे दिल्लीक पहाड़गंज मे आयोजित मैथिली कविता सन्ध्याक आयोजन क’ अपार हर्खक अनुभूति भेल ।
आत्मीयता सं भरल आ सादगीपूर्ण एहन आयोजन जाहि मे तीन दर्जन श्रोता समूहक बीच मे श्री रमण कुमार सिंह, श्री अरविंद श्रीवास्तव, श्रीमती निवेदिता झा, श्री विनीत उत्पल, सुश्री नंदना पंकज आर श्री अदनान काफिल दरवेश आदि महत्त्वपूर्ण कविगण अपन कविताक पाठ केलनि ।
दस-दस टा कविताक पाठ प्रत्येक कवि द्वारा कएल गेल जकरा पर विस्तृत समीक्षा विभिन्न विद्वान द्वारा भेल ।
डॉ आशीष मिश्र हिंदीक पोस्ट डोक्टोराल फ़ेलो दिल्ली वि वि आ हिंदीक चिरपरिचित युवा आलोचक (मूलतः अवध क्षेत्र केर) से मैथिली कविता शानदार विश्लेषण केलनि ।
मलेशिया मे रहनिहार मैथिल सज्जन एन सी प्रभाकर मुख्य अतिथि छलाह । वैद्यनाथ झा, नंदकिशोर कुमार, गिरीश चंद्र पंकज, श्री रंजन कुमार, सुश्री अनुपम सिंह परिचर्चा मे भाग लेलनि।
विमल जी मिश्र अपन गीत प्रस्तुति सेहो देलनि । कार्यक्रम मे श्री संतोष सिंह राठौड़, श्री अमरनाथ झा, श्री उमेश चतुर्वेदी, गिरीश चंद्र पंकज, श्री अखिलेश प्रभाकर, श्री सुघोष मिश्र आ अन्य साहित्यप्रेमी लोकनिक उपस्थिति सं सार्थक आयोजन रहल।
संचालन – अरुणाभ सौरभ, कार्यक्रम संयोजक – प्रेमदत्त पाण्डेय आ कृष्णनन्दन कुमार ।