पर्यावरण रक्षा आ कोर्पोरेट सामाजिक दायित्व मे दैनिक जागरण

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जुलाई १, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

vriksharopan1ग्लोबल वार्मिंग केर खतरा सँ संघर्ष लेल पर्यावरण केर रक्षा करब जरुरी छैक। पर्यावरणक रक्षा वृक्षारोपण सँ होयत आर मानव सभ्यता पर बनि रहल खतरा सँ मुक्ति लेल वर्तमान समय मे कोर्पोरेट जगत केर ई सामाजिक दायित्व मे सेहो पड़ैत छैक। एहि भावना केँ आत्मसात करैत दैनिक जागरण – दैनिक समाचारपत्र द्वारा एक करोड़ वृक्ष रोपबाक संकल्प लेल गेल अछि। एहि दैनिक जागरण परिवार सँ जुड़ल विभिन्न पदाधिकारी एवं संवाददाता लोकनि एहि शुभ कार्य केँ पूरा करबाक भार अपना पर लेलनि अछि।

vriksharopan2दैनिक जागरण द्वारा आइ शुक्र दिन सहरसाक संजय पार्क मे पर्यावरण रक्षा लेल एक करोड़ वृक्षारोपन करबाक अभियान केर शुरुआत कएल गेल । प्रभारी कुन्दन सिंह बतौलनि जे जिला, प्रखंड व पंचायत स्तर पर १५ दिनक कार्यक्रम मे वृक्ष लगायल जायत । संगहि लोक सँ फार्म भराकय पर्यावरण केर रक्षा लेल संकल्प पत्र सेहो तैयार कएल जायत ।

एहि कार्यक्रम मे जिलाधिकारी विनोद कुमार गुंजियाल, सदर एसडीएम जहाँगीर आलम, नप पदाधिकारी दिनेश राम, चिल्ड्रेन स्कूल एशोशिएशन केर अध्यक्ष रामसुन्दर साहा सहित कुश मोदी, शैलेन्द्र शेखर एवं शहर केर अनेको बुद्धिजीवी गणमान्य व्यक्तित्व उपस्थिति भेलाह ।

फोटो फीचरः

vriksharopan3

vriksharopan4