सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जुलाई १, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पी जी सेन्टर सहरसा केर मैथिली विभागाध्यक्ष डॉ. रामनरेश सिंह केँ आइ भारी उद्योग एवं लोक उपक्रम केर निदेशक बनाओल गेल अछि। हुनक निदेशक बनला सँ सहरसा मे हर्षक माहौल अछि ।
वर्तमान मे श्री सिंह भाजपा केर प्रदेश उपाध्यक्ष सेहो छथि । हुनकर निदेशक बनला सँ सम्पूर्ण मिथिला छेत्र मे उद्योग केर स्थापना व विकास होयबाक संभावना बढि गेल अछि।
श्री सिंह अत्यन्त प्रतिभावान् आ ओजस्वी व्यक्तित्वक धनी छथि। ओ भारतीय भाषा संम्बर्द्धन मैसुरक समन्वयक सेहो छथि । अपन बहुमुखी प्रतिभा व योग्यता सँ राजनीतिक, सामाजिक, सांस्कृतिक, शैक्षणिक – विभिन्न क्षेत्र मे अप्रतिम योगदान दैत आबि रहला अछि। हिनकर अवर्णनीय व्यक्तित्व केँ सम्मान करैत हिनका अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष सेहो बनायल गेल अछि। हिनकहि नेतृत्व मे एबीभीपी बंगलादेशी घूसपैठियाक विरुद्ध आंदोलन चलाकय घुसपैठक विरूद्ध जंग केँ निर्णयात्मक निष्कर्ष पर पहुँचौलक । संगहि राष्ट्र विरोधी शक्ति केँ श्री सिंह सब दिन करारा जवाब दैत रहलाह अछि ।
आशा अछि जे हिनका निदेशक बनला स सम्पूर्ण मिथिला व बिहार में नव उद्योग स्थापित होयत। श्री सिंह कहलनि जे बिहार में नव उद्योगक स्थापना पर बिशेष धयान देल जायत जाहि सँ एहि क्षेत्रक मजदूर केँ आब दूर परदेश रोजी-रोटी कमेबा लेल नहि जाय पड़त। अपन प्रदेश केँ रोजगारक अवसर औद्योगिक वातावरण मे सुधार आनियेकय देल जा सकैत अछि। हमर ध्यान एहि दिशा मे केन्द्रित रहत।