सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जून २७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
चलू देखैत छी सहरसा जंक्शन! सहरसा जंक्शन स थरविटिया तक छोटी लाईन क गाडी चलैत अछि संगहि सहरसा जंक्शन स पुर्णिया तक बड़ी लाइनक तीन जोड़ी सवारी गाडी चलि रहल अछि ।
कुसहा त्रासदी के विनाश एतेक भयावह छल जकर भरपाई नौ वर्ष बीतलाक बाबजूद सुचारू नहि भय सकल अछि । ओकरे परिणाम भेल जे कोशी इलाका के अधिकांश जनसंख्या पलायन कय गेल अछि तकर बाद एखनो सबदिन जनसेवा, जनसाधारण, गरीब रथ, पुरविया एक्सप्रेस ट्रेन में भेड़ बकरी जकॉ शौचालय तक में मजदूर भरल रहैछ ।
रेल सुत्र स भेटल जानकारी अनुसार सहरसा जंक्शन स 20 सँ 25 लाख प्रतिदिन टिकट बिक्री होइत अछि । पलायन करैत मजदूर सब कहैत छथि जे बिहार में कोनो रोजी रोजगार नहि के बराबर छै । एहिठाम स दुन्ना मजदूरी भैटेत अछि ताहि स ओतय बढिया कमाई भय जाइत अछि ताहि लेल बाल बच्चा परिवार के छोडि दुखी मन स परदेश जाय परैत अछि ।
पलायन करैत मजदूरक अनुसार ट्रेन में पैसा पुरा लेलाक बादो सुविधा के नाम पर जीरो – किछु नाराजगीक संग कहलनि जे बेतहाशा भीड़ के कारण शौचालय में ठॉरे ठार जतरा कय रहलहू आगू प्रभु मालिक ।
आई सहरसा जंक्शन पर रेल एसआरपी जीआरपी थाना निरीक्षण क्रम मे आयल छलाह । वो कहलनि जे जीआरपी के मुख्य कार्य अछि रेल यात्री के हर हाल में सुरक्षा ताहि लेल जवान सबहक चुस्ती व तत्परता जरूरी अछि, एहि कारण जवान सब केँ आधुनिक हथियार चलेबाक प्रशिक्षण सेहो देल गेल अछि। सामूहिक प्रशिक्षण दय यात्री सुरक्षा लेल सब ट्रेन में स्कॉट तैनात कय सुरक्षा सुनिश्चित करबाक आदेश सेहो देलनि एसपी । संगहि टीम गठन कय शराबबंदी, नशाखुरानी गिरोह व लुटपाट घटना पर त्वरित कारवाई करबाक आदेश देलनि ।
एहि अवसर पर थानाध्यछ संतोष कुमार व इंस्पेक्टर कमलेश सिंह सेहो उपस्थित छलाह संगहि ड्यूटी पर जवानक सबहक फिटनेस व सर्विस बूक केर जॉच कय हूनकर खामी सबकेँ समाधान लेल चिन्हित कय क्रमबद्ध रूप मे कयल जायत ई जानकारी करौलनि अछि ।