दरभंगा, जून २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला १२ जून पटना मे संपन्न मिथिला राज्य निर्माण सेनाक एक दिवसीय चिन्तन शिविर मे लेल गेल निर्णय अनुरूप नवम्बर ८-९, २०१६ केँ राष्ट्रीय अधिवेशन आयोजनक नियार छल। एहि विन्दु पर दरभंगा मे आइ पुनः सेनाक बैसार आयोजित कैल गेल। राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा केर संयोजन मे आयोजित आजुक बैसार मे दरभंगा मे कार्यालय खोलबाक प्रगति, संगठन विस्तार केर रणनीति एवं बेनीपुर मे क्रमिक अनशन केर विषय मे चर्चा करबाक जानकारी भेटल अछि।
आजुक बैसार मे सेनाक अनेक गणमान्य सदस्य (पुरान ओ नव) केर नीक उपस्थिति छल। दीपशंकर राय, रंजीत यादव, ललन यादव, अनिल कुमार, राकेशजी, गोपालजी, आर के नयन, अजीत चौधरी, मोहन पासवान, संजय मिश्रा, शंकर नाथ झा, आनंद झा, संजय रिक्थ, राजेश झा और रंगनाथ ठाकुर सहभागी भेलाह।
जानकारी करबैत राजेश झा कहलैन अछि जे मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा प्रस्तावित अझुका मीटिंग संपन्न भेल। दरभंगा, मुजफ्फरपुर, बेनीपुर आदि जगह स कार्यकर्ता अहि बैसार में उपस्थित छलाह। मिरानिसे आहूत 8-9 नवंबर केर राष्ट्रिय अधिवेशन सह जनसभा के सफलता लेल संगठन निर्माण पर जोर देल गेल। बेनीपुर में क्रमिक अनसन लेल एकटा रुपरेखा बनायल जैत। संगठन केर विस्तार में श्री अनिल झा (Anil) भाई द्वारा जोड़ल भाई-बंधु सदेह उपस्थित छलाह। आबै बला समय में अन्यान्य जगह पर एहेन बैसार करबाक निर्णय भेल। अहि तरहे संगठन केर विस्तार हैत। मिरानिसे केर गठन समयक परिकल्पना अर्थात् सब पक्ष एक होथु, पर सेहो कार्य करबाक उपयोगिता पर जोर देल गेल।
बकौल राजेश झा औझका बैसार केर अध्यक्षता डॉ रंगनाथ ठाकुर केलाह। संजय मिश्रा भाई आ संजय रिक्थ भाई नव आगंतुक कार्यकर्ता केँ मिरानिसे और मिथिला आंदोलन सँ परिचित करौला। आनंद भाई आगामी राष्ट्रिय अधिवेशन लेल पिछला बात केँ बिसरि आगू काज करबाक लक्ष्य पर ध्यान केंद्रित करबाक बात पर सबहक ध्यानाकर्षण केलाह। बटोही भाई संगठन विस्तार लेल एकटा कार्ययोजना पर बल देला। जय मिथिला जय जानकी – जे एहि आन्दोलनक मूल नारा थीक एहि संग अभिवादन करैत मिथिलाक सेवा मे निरंतर लागल रहबाक जानकारी सेहो करौलनि।
विदित हो जे मुजफ्फरपुर, सीतामढी, मधुबनी, समस्तीपुर, दरभंगा – एहि पाँच जिला मे संगठन विस्तार केर कार्य बढेबाक विजनक संग पुरान सब संस्था ओ कार्यकर्ताक समग्र सहयोग सँ एकमात्र लक्ष्य ‘मिथिला राज्य’ केर निर्माण पर सेनाक ध्यानकेन्द्रित अछि आर एहि दिशा मे संयोजक रंगनाथ ठाकुर केर नेतृत्व मे कार्य आगाँ बढि रहल अछि।