झोंटा लिर्हियाबयवला जमाना गेल, हिरोइन चलायत पेस्तौलः फिल्म

मुम्बई, जून २६, २०१६ । मैथिली जिन्दाबाद!!

dulha chorमैथिली फिल्म तथा धारावाहिक क्षेत्र मे निरंतर सक्रिय अनुप सत्यनारायण झा अपन फेसबुक पोस्ट मार्फत जानकारी दैत कहलनि अछि जे एहि बेर दुर्गा पूजाक समय मैथिली फिल्म केँ नव सौगात भेटत।

हिनकर देल अपडेट मुताबिक मैथिली दर्शक लोकनिक लेल एक गोट बहुते सुन्नर मैथिली फिल्म ‘दुल्हा चोर’ दुर्गा पूजा केर समय प्रदर्शित होमऽ जा रहल अछि। ‘दुल्हा चोर’ मे एक्सन रोमांस कॉमेडी संग संग मिथिलाक संस्कृति केँ सेहो बहुत सुन्दर रुप सँ देखायल जायत।

फिल्मक पोस्टर सहित देल गेल जानकारी मे हिरोइन केर हाथ मे सेहो स्टाइल मे पेस्तौल धरायल देखायल गेल अछि। निश्चित भाषा मुताबिक भले मैथिली हिन्दी सँ श्रेष्ठ आ बेसी उमेरगर हो, मुदा फिल्म लाइन मे हिन्दी बहुत आगू अछि आर मैथिली फिल्म मे तकनीकी, शैली, फाइट, रोमांस, गाना, नाच, मुजरा, बार आदि विभिन्न प्रभाग मे बिल्कुल हिन्दी फिल्मक डुप्लीकेट रहैत अछि। मुदा डुप्लीकेसी करबाकाल सेहो मिथिलाक मौलिकता पर निर्देशक-लेखक केर खूब ध्यान रहैत अछि। मुदा बेसी रास मैथिली फिल्म मे गुणस्तर आ प्रस्तुति सब किछु फीका-फाका रहबाक कारणे फिल्म देखनिहार दर्शकवर्ग मे कोनो गंभीर छाप नहि छोड़ि पबैत अछि, जेना भोजपुरी फिल्म खूब नंगापन देखाकय अपन एकटा विशिष्ट दर्शक वर्ग बनाकय ब्यापार धरि पूरा कय लैत अछि, तेना मैथिली फिल्म मे मार-धाड़-एक्सन-रोमांस केर ई नव तर्ज जरुर ब्यापार नीक करत ई कयास लगायल जा रहल अछि।

आगू जानकारी देल गेल अछि जे ‘दुल्हा चोर’ केर कलाकार सब मे मुख्य भूमिका मे ‘मास्टर साहेब’ धारावाहिक जे हाल-फिलहाल डीडी बिहार सँ प्रदर्शन भऽ रहल अछि, तेकर फेम बैरिष्टर ( घनश्याम झा Kumar Ghanshyam), कल्पना शाह संग श्री फूल सिंह जी ( विद्यापति ), मास्टर साहेब फेम मुखिया जी (Awadhesh Ujain), अरुण सिंह (Arun Kumar Singh), उमाकांत राय जी (Umakant Rai), वंदना झा ( Vandana Jha ), मनोरमा मिश्रा संग बहुते आरो कलाकार सब अप्पन अभिनय सँ सजेने छथिन। फिल्म केर निर्माता श्री श्याम झा जी ( Shyam Jha Singer) आ श्री महेश मिश्रा जी (Mahesh Mishra) छैथ, निर्देशन केर भार श्री विरेंद्र पासवान जी उठेने छैथ आर संगीतकार श्री सुरेश आनंद जी ( मास्टर साहेब फेम पंडित डंकेश्वर Suresh Anand), विख्यात गीतकार श्री अभिराज झा ( मास्टर साहेब फेम मास्टर साहेब ) केर लिखल गीत सबकेँ अप्पन मधुर आवाज दऽ कर्णप्रिय गीत गेने छथिन पद्य भूषण श्री उदित नारायण झा जी संग सुरेश आनंद, श्याम झा, खुशबू जैन, अलका झा आदि।

मैथिली फिल्म केर सेहो ‘अच्छे दिन’ आबि गेल बुझा रहल अछि, कारण मैथिली जिन्दाबाद केर समाचार संपादक किसलय कृष्ण सेहो पूरा पैक चलि रहल छथि। हवाईजहाज सँ नीचाँ पैर मोस्किले सँ देखल जा रहल अछि। एक सँ बढिकय एक गजल आ गीत केर लेखनक संग एखन ओ विभिन्न फिल्म केर निर्माण मे दिल्ली मे पूरा व्यस्त छथि। आ मानल बात छैक जे जखन-जखन किसलय कृष्ण व्यस्त होएत छथि तऽ जरुर किछु न किछु बढियें चीज बनैत छैक। आब देखा चाही जे ई अच्छे दिन केर निरंतरता कहिया धरि आ मैथिली फिल्मक दर्शक केँ कि सब नव देत। हाल लेल अनुप सत्यनारायण झा केर फिल्म मे भड़ाम-भड़ाम छौंड़ी (हिरोइन) द्वारा गोली चलैत देखि पक्का ओ दर्शक सब खूब ताली पीटत, कारण मिथिलाक छौंड़ी (हिरोइन) जल्दी तमसाय नहि छैक, आ जखन तमसा गेल तेकर बाद तऽ जे न से कय देत। झोंटा लिर्हियाबय के जमाना आब गेल, आब देखू बन्दूक सँ लड़ाई!

हरिः हरः!!