विन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। जून २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
दोहा-कतारमे साँझक_चौपाडि_पर केर – ११म मासक आयोजन सम्पन्न
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा” मूल नाराक संग विगत ११ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतकेर कार्यक्रम साँझक_चौपाड़ि_पर केर एगारहम मासक बैसार २४/०६/२०१६ शुक्र दिन दोहाक मुन्ताजा पार्कमे सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल ।
कार्यकममे नियमित सर्जकसबमे रमजानक कारणे कवि अब्दूर रज्जाक जी आ युवा गजलकार मो. असरफ राइन जीक अनुपस्थिती रहितो बहुतो नव सर्जक व श्रोतासब सँ एहिबेरक चौपाड़ि पहिने सँ बेसी झमटगर रहल ।
परिचयात्मक कार्यक्रम सँ शुरु भेल चौपाड़ि पर कवि प्रणवकान्त झा, कवि अशोक कुमार सहनी, कवि विन्देश्वर ठाकुर, गायक रवीन्द्र उदासी जी द्वारा एक सँ बढिकय एक गजल, गीत आ कविताक वाचन कएल गेल छल । अँनलाइन सँ आएल रचना सबमे धनेश्वर ठाकुर, विजय कुमार झा, गायत्री सिंह, असरफ राइन, दिनेश रसिया, विद्यानन्द बेदर्दी सहित अन्य सर्जक लोकनिक रचना सेहो वाचन भेल ।
साँझक चौपाड़ि पर आयोजन व एहि मे सम्मिलित विभिन्न युवा स्रष्टा सबहक लेखनी कला सँ प्रभावित-प्रेरित भऽ नव-नव सर्जक लोकनिक रचना सब सेहो आबय लागल अछि, एहि क्रम मे युवा समाजसेवी मनिष राय जी द्वारा सेहो आजुक चौपाड़िपर हुनका द्वारा अपन रचनाक वाचन करैत देखि सबगोटे खुशी सँ झुमि उठलाह ।
कार्यक्रमक बीच-बीचमे साहित्यकेर विभिन्न रसमे गढल कता सुनाबिकय विन्देश्वर ठाकुर द्वारा महौलकेँ जोश सँ भरल गेल आ संगहि सहभागी सबकेँ आनन्दित करबाक जोरदार प्रयास कएल गेल आर एहि प्रयोग केँ सफल मानि भविष्य मे आरो एहने-एहने प्रयोग करबाक संकल्प सेहो लेल गेल ।
आजुक कार्यक्रममे श्रोताक हिसाबे हेल्प_मधेशीक प्रतिनिधित्व कएनिहार इन्जिनियर श्री वीरेन्द्र कुमार साह जी, श्री प्रभात महतो जी, कानुनी विभाग सँ सरोकार रखनिहार श्री दिलीप जयसवाल जी, शत्रुधन पाल जी संगहि विभिन्न कम्पनीक सुपरभाइजर, मेनेजर, फोरमेन लगायत उच्चस्तरीय दर्जा पर विद्यमान् आरो बहुतो युवावर्गक सुधि श्रोताक जोरदार उपस्थिती सँ माहौल मे गर्माहट भरल रहल । मैथिली_लप्रेक प्रेमक_टाइमलाइन देखि सबगोटे खूब प्रसन्न भेलाह, आर एहि तरहक पोथी कीनिकय पढबाक रुचि देखौलनि ।
प्रेमक टाइमलाइन केँ मैथिलीक पहिल पोथी दोहा-कतारमे कहि खूब प्रशंसा सेहो केलनि आ पढबाक लेल सबगोटे खरिदबो कएलनि । अपन देश-कोस सँ दूर खाडीदेशमे रहितो अपना भाषा-संस्कृति लेल चलल गेल कदम सराहनीय अछि, तेँ हमरो सबहक निरन्तर साथ-सहयोग भेटैत रहत – ई आश्वासन सब कियो दैत चौपाड़ि मे निरन्तर सहभागिता देबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि।
वास्तवमे हमरो सबहक मोन खुशीसँ झुमि गेल । गौरव सँ छाती ३६ इन्च भेल । आओर ई कही जे वर्षो पहिने हमसब जे सपना देखने रही जे बेसी सँ बेसी मैथिल/मधेशी सबकेँ एहिसँ जोड़ब आ एहि चौपाडिक बढोत्तरी करब से सपना आब धीरे-धीरे साकार होएत देखा रहल अछि । एहि लेल सबगोटेकेँ हृदय सँ धन्यवाद ! एकर सब सँ बेसी श्रेय जाएत छनि परम आदरणीय श्रद्धेय श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि जीकेँ । हुनके प्रेरणा व प्रयास सँ अते पैघ लोकनिसंगे हमसब जुड़ि पेलौं । तें हृदय सँ आभार हुनका । – आयोजनाक संयोजक विन्देश्वर मंडल ई भावना रखैत साहित्यकार एवं हेल्लो मिथिला रेडियो कार्यक्रमक संचालक धीरेन्द्र प्रेमर्षिक खुलल हृदय सँ आभार प्रकट केने छथि।
अन्तमे ई साँझक चौपाड़ि पर सदैव अहिना चलैत रहय आर गुणात्मक व संख्यात्मक रुपमे वृद्धि होएत रहैक यैह कामनाक संग सब कियो कार्यक्रमक समापन करैत ऐगला मासक आयोजन मे पुनः दर्शनार्थ एक दोसर सँ विदा लेलाह। विदेशक धरती पर विभिन्न रोजी-रोजगार आ ताहि मे साहित्यक संस्कार सँ छुट्टी बितेबाक नीति अपना आप मे महान अछि आर विदेहराज जनकक शिक्षा सँ आइयो एतुका बच्चा-बच्चा प्रेरित अछि तेकर ई जिवन्त उदाहरण मानल जा सकैत अछि।