मिथिला मे बनत २५ टा मॉडल पंचायत

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। जून १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

model villageआब मिथिला अपन विकासक कहानी स्वयं लिखत। सम्पूर्ण देशक रोल मॉडल पंचायत केर रूप में देखना जायत जाहि मे समाजक सब जाति धर्म और वर्गक लोक केर सर्वागीण विकास कयल जायत । ई बातक जानकारी पतरधट प्रखंड केर कहरा पंचायतक नव निर्वाचित मुखिया नवल किशोर चौधरी दैत कहलनि जे मॉडल पंचायत में मैथिली भाषा में पढाई, लघु व कुटीर उद्योगक स्थापना, शिक्षा, स्वास्थ्य व गरीबी उन्मूलन पर विशेष जोर देल जायत ।

मॉडल पंचायत में सहरसा, मधेपुरा, पुर्णिया, बेगूसराय, समस्तीपुर, मुज्जफरपुर, दरभंगा, मधुबनी, सीतामढी जिला केर पंचायत सब केँ शामिल कैल जायत। ताहिलेल वाट्सअप ग्रुप बनाओल गेल अछि संगहि विशेषज्ञ सबकेँ आमंत्रण दैत आगूक कार्यक्रम क्रियान्वय लेल एहि योजना संग जोड़ल  जा रहल अछि । एहि के माध्यम सँ मिथिला राज्य निर्माण कार्य में सेहो सहयोग भेटबा उम्मीद अछि । एहि कार्य में कहरा गाम केर मूल वासी एवं वरिष्ठ अभियन्ता सह सकारात्मक सोच केर योजनाकार श्री अमरेन्द्र झा (बोकारो) केर सक्रिय सहयोग भेट रहल अछि, ईहो जानकारी श्री चौधरी करौलनि।