सहोड़ा, दरभंगा। जुन १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारतीय संघ मे मिथिला राज्य केर स्थापनार्थ दीर्घकाल सँ संघर्ष करैत आबि रहला अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष डा. बैद्नाथ चौधरी बैजु केर वयोवृद्ध माता शनि दिन रात्रिपहर मे स्वर्गधाम सिधारि गेलीह। दरिभंगा जिलाक सहोड़ा गाम – निज निवास पर ओ अन्तिम साँस लेलनि।
हुनक अन्तिम यात्रा काल्हि रवि १२ जुन केँ निजगाम सहोड़ा मे ग्रामीणक संग-संग अनेक मिथिला-मैथिली अभियानी लोकनिक विशाल सहभागिता मे काल्हि दिन मे संपन्न भेल अछि। हुनका मुखाग्नि स्वयं डा. बैजु देलनि अछि। विदित अछि जे हालहि डा. बैजु केर सबसँ छोट बालिका जे चिकित्सक छलीह, डा. पुतुल केर निधनक खबरि सँ समूचा मिथिला मर्माहत भेल छल। आर लगले ई घटना भेल अछि, हलांकि मायक उमेर आ स्वास्थ्यक स्थितिक हिसाबे हुनका सद्गति भेटल कहल जा सकैत अछि। तथापि, एक प्रखर पुत्र लेल मातृशोक दुःखक घड़ी थीक आर एहि दुःखक घड़ी मे समूचा मिथिलावासीक सम्वेदना हुनकर संग अछि।
काल्हि पटना मे आयोजित मिथिला राज्य निर्माण सेनाक चिन्तन शिविर मे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा द्वारा ई दुःखक समाचार दैत दिवंगता आत्मा प्रति श्रद्धाञ्जलि अर्पण कैल गेल छल। मैथिली जिन्दाबाद परिवार केर तरफ सँ शोक-संतप्त परिवार लेल धैर्य-धारण करबाक हिम्मत पेबाक एवं दिवंगत पुण्यात्माक चीर शान्ति लेल ईश्वर सँ प्रार्थना करैत छी।