‘मैथिली आओर पाँच ठाकुर’ राज्यपाल कोविन्द द्वारा विमोचित

स्व. पं. सुरेश्वर झा केर 'मैथिली आओर पाँच ठाकुर' केर विमोचन राज्यपाल रामनाथ कोविन्द द्वारा

पटना, जुन २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

lokarpan maithili aa 5 thakurमैथिली साहित्यक उद्भट्ट विद्वान् एवं प्रखर वक्ता – हालहि स्वर्गीय पंडित सुरेश्वर झा केर बहुचर्चित रचना ‘मैथिली आओर पाँच ठाकुर’ नामक पुस्तकक लोकार्पण आइ बिहारक राज्यपाल महामहिम रामनाथ कोविन्द केर हाथ सँ राजभवन – पटनाक एक सभागार मे संपन्न भेल।

एहि समारोहक मुख्य अतिथि एहि पाँच ठाकुर मे सँ एक डा. सी. पी. ठाकुर छलाह। आकाशवाणी दरभंगाक समाचार उद्घोषक एवं प्रसिद्ध मैथिली कवि मणिकान्त झा अपन फेसबुक मार्फत जानकारी करबैत कहलैन अछि जे मिथिला सँ एहि समारोह मे करीब २० गोटे विद्वान् गणमान्य आमंत्रित छलाह जाहि मे हमहुँ सौभाग्यवश रही। एहि अवसर पर गणेश झा लिखित काव्य संग्रह ओ कविता की के सेहो लोकार्पण भेल ।

अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा प्रतिक्रिया दैत मैथिली लेल विशाल योगदान देनिहार एहि पाँच ठाकुर केर नाम ज्योतिरिश्वर ठाकुर जे मैथिली भाषाक पहिल आधार साहित्य वर्णरत्नाकरक रचना करैत ख्याति दियौलनि, दोसर विद्यापति ठाकुर समान महाकवि कोकिल जे संस्कृत छोड़ि जनबोली अवहट्ट (ताहि दिनक मैथिली) मे रचना कएलनि, ब्रज किशोर ठाकुर जे सर्वप्रथम मैथिली विषय मे कोलकाता विश्वविद्यालय मे पढौनी शुरु करौलनि, कर्पुरी ठाकुर जे मैथिली सिलेबस सँ सामान्य मैथिल जनमानस लेल प्रारंभिक शिक्षा आरंभ करौलन्हि आर स्वयं डा. सी. पी. ठाकुर जे मैथिली भाषा केँ संविधानक आठम अनुसूची मे स्थान दियेबाक लेल जीतोड़ संघर्ष कएलनि तिनकर चर्चा एहि पोथी मे कएल गेल अछि कहलैन।

पं. सुरेश्वर झा केँ मरणोपरान्त ई कार्य निश्चित एकटा अनुपम श्रद्धाञ्जलि समान भेल प्रतीत होएत अछि। हुनकर आरो कतेक रास महत्वपूर्ण रचना अप्रकाशित अछि ताहि दिशा मे सेहो सबहक ध्यान रहत, ई विश्वास कैल जा सकैत अछि।