मिथिला राज्य हमर जन्मसिद्ध अधिकारः कर्नल श्यामानन्द

साक्षात्कार

अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक नेता रिटायर्ड कर्नल श्यामानन्द सँ मैथिली जिन्दाबाद मुम्बई प्रतिनिधि प्रकाश कमतीक वार्ता

मातृभूमिक सेवा लेल देशक बॉर्डर पर दिन-राति बरखा, आंधी आ तूफान में सीना colonel shyamanand jhaतानि ठार रहनिहार एकटा फौजी केर जे सम्मान भेटैक चाहि ताहि में हमर देश भारत शायद एखन धरि पछुआएल अछि।

मित्रगण हम गप कए रहल छी अवकाश प्राप्त मिथिलाक लाल श्री श्यामानंद कर्नल जीक, आऊ किछु रोचक जानकारी हिनक संदर्भ में एकटा छोटछीन साक्षात्कार केर माध्यमसँ हम सबगोटे ली।
प्रश्न 1 :- अहाँ अपन संछिप्त परिचय देल जाऊ..?
कर्नल जी :- हम एकटा मैथिल छी।
बाबूबरही प्रखंड के बेलादौरा गाम में 1954 में जन्म भेल अछि। कर्नल श्यामानंद झा हमर नाम थीक आ हमर पिता स्वर्गीय मूनचुन झा एकटा साधारण किसान छलाह। हम 1971 केर युद्ध में सेना में एलहुँ।
प्रश्न 2 :- अहाँ एकटा सैनिक रूपे अपन सेवा मातृभूमि लेल बीतल दिन में दैत आयल छी आ एखन अवकाश प्राप्त भए चुकल अछि, ताहि सँ हमरा सबकेँ अहाँ अपन बीतल दिनक किछु महत्वपूर्ण अनुभव आ राष्ट्र सेवा लेल भेटल चर्चित उप्लब्धिक जानकारी देबाक कष्ट कएल जाऊ…।
कर्नल जी :- सेना के इन्फेंट्री में छलहुँ
जम्मू आ कश्मीर, राजस्थान, सियाचिन, नेपाल, नागालैंड आ केरल सन जगह पर अपन सेवा रूपे नौकरी केलहुँ। 1993 में विदेश में कम्बोडियाक युद्ध में संयुक्त राष्ट्र शान्ति सेना में रहलहुँ। चीफ ऑफ द आर्मी स्टाफ प्रेजिडेंट मैडल सँ सेहो सम्मानित कएल गेल। कुल 14 टा सम्मानरूपी मेडल सेना में प्राप्त भेल अछि।
प्रश्न 3 :- सैनिकक नौकरी सँ अवकाश प्राप्त भेलाक बाद अहाँकेर मिथिला लेल आंदोलन करैक विचार कोना उत्पन्न भेल…?
कर्नल जी :- रिटायर भेलाक बाद अपना जन्म भूमि मिथिला केर विकासक लेल बिहार विधान चुनाव ABMP के टिकट स लरलहुँ। एखनहुँ मानसिक रूपेण पार्टी के शुभचिंतक छी।
प्रश्न 4 :- कि अहाँ अपन जीवन में पहिने कुनो राजनितिक पार्टी सँ जुड़ल रहि अथवा जुड़बाक प्रयत्न कएने रही…?
कर्नल जी :- कुनो आर राजनितिक पार्टी में नै रहलौं। तखन हँ, 10 वर्षक अवस्था में भोगेन्द्र झा के सपोर्टर जरूर छलहुँ।
प्रश्न 5 :- हालहिं में अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक नव योजनाक लेल दरिभंगा में सामूहिक बैसार छल ताहि सँ जुड़ल किछु नवयोजना पर भेल गपशप पर प्रकाश देबाक कष्ट कएल जाऊ…।
कर्नल जी :- दरभंगा में कैल्ह अभमिपाक प्रदेश समिति आ केंद्रीय समितिक बैसार छल जाहि में श्री सदरे आलम जी केर दरभंगा, मधुबनी, श्री संजय मिश्रा जी केर सीतामढ़ी, मुझफ्फरपुर, सहौड़ा, चंपारण केर श्री उमेश भारती, निर्मल मिश्रा जी केर सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा जिला में संगठन विस्तार संगहि समितिक गठन केर भार देल गेल। आगामी 28 अगस्त केर पार्टीक समस्त जिलाक पदाधिकारी आ मिथिला प्रदेश समितिक संगहि केंद्रीय समितिक संयोजन में सम्मेलन होयत आ अहि लेल आगामी एक मास में सबठाम जिला समितिक गठन भए जेबाक प्रस्ताव देल गेल। पार्टीक बैंक खाता शीघ्र खोलबाओल जायत जाहि में पार्टीक संवैधानिक नियम आ शर्त अनुरूप प्रदेश अध्यक्ष, महासचिव आ कोषाध्यक्षक हस्ताक्षर मान्य रहत। अंत में श्री रत्नेश्वर जी कटिहार, किशनगंज, पूर्णिया, अररिया आ नवगछिया में पार्टीक काज देखताह इ घोषणा कएल गेल।
प्रश्न 6 :- सुनबा में आयल हन जे अहाँकेर अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा पटना में अहम जिम्मेवारी सौंपल गेल हन इ सत्ते कि…?
कर्नल जी :- हमरा पटना में ऑफिसियली कुनो एहन ज़िमेबारी नहि देल गेल अछि।
प्रश्न 7 :- वर्तमान में मिथिला आंदोलनक स्थिति पर अहाँक पक्ष कहल जाऊ संगहि एखन धैर भिन्न-भिन्न संस्था, अभियानी द्वारा कएल जा रहल प्रयाससँ अहाँ कतए धरि सहमत छी…?
कर्नल जी :- पंडित अजय झा द्वारा चलाओल मिथिला संगठन संघ केर हम सपोर्टर छी, सब संगठन मिलकए आंदोलन करब त मिथिला राज्य अवश्य आ शीघ्रहि भेटत।
प्रश्न 8 :- आगामी दिवस में मिथिला, मैथिली लेल कोन तरहक प्रयास करबाक मंशा राखैत छी ताहि ऊपर किछु विचार स्पष्ट कएल जाऊ…?
कर्नल जी :- हम ज़मीन पर आंदोलन में विस्वास करैत छी। हजारक हजार के संख्या में पटना आबि कए आंदोलन कएल जाय।
प्रश्न 9 :- मैथिली जिंदाबाद संगहि हमरा संग गपशप कए केहन लागल किछु विचार दी…।
कर्नल जी :- मैथिली जिंदाबाद एकटा बड नीक प्लेटफार्म भेटल अछि मिथिला राज्य के लेल, आन्दोलन केल। हमरा विचारसँ अहि प्लेटफार्मक उपयोग सब आंदोलनकारी के करैक चाही। हमर बहुत बहुत शुभकामना।
प्रकाश कमती :- कर्नल साहब अहाँ सब लन समय केर विशेष आभाव रहैत छैक तैयो अहाँ अपन बहुमूल्य समय हमरा सबकेर देलौं ताहि लेल अपनेक प्रति विशेष आभार प्रकट करैत छी। धन्यवाद…