चैनपुर, सहरसा, मिथिला! मई २३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
सहरसा जिलाक एक अत्यन्त प्रसिद्ध गाम ‘चैनपुर’ जाहि ठाम जनमानस मे सदैव सृजनशील रहबाक एकटा अविरल उर्जाधारा बहैत रहैत अछि, ओतय युवा अभियानी सब मिलिकय एहि बेर शिक्षा व्यवस्था सुदृढ बनेबाक लेल एजुकेशन कैंप – २ केर शुभारंभ २१ मई सँ शशिकला मध्य विद्यालय मे कैल गेल अछि।
अभियान मे सक्रिय आ एहि सँ पूर्वो बहुत रास आयोजनक अभिन्न हिस्सा युवा उज्ज्वल ठाकुर मल्लिक अपन फेसबुक स्टेटस केर माध्यम सँ जानकारी करबैत कहलैन अछि जे शिक्षा सँ जुड़ल अनुभवी लोक केर द्वारा बच्चा केँ बेहतर मार्गदर्शन भेट रहल अछि, कक्षा ९ आ १० केर विद्यार्थी वास्ते कैंप चलि रहल अछि। बेहतर तकनीकी संस्थान सँ अपन अध्ययन जारी रखने इंजीनियर्स ग्रामीण द्वारा विद्यार्थी सब केँ पढबाक तकनीक सब बतायल जा रहल अछि जाहि सँ बच्चा सबहक आत्मबल बहुत बढ़ल अभरैत अछि। चैनपुर जेहेन गाम मे एतेक नीक टीम केर मार्गदर्शन सँ आबयवला समय मे निश्चिते शिक्षा व्यवस्था मे उल्लेखणीय सुधार होयत।
उज्ज्वल आगू जानकारी करबैत कहलैन अछि जे विकास कुमार, ओम चौधरी, सुरज भारती और आलोक ठाकुर केर नेतृत्व मे कैंप सफलतापूर्वक चलि रहल अछि। आरो बहुते शिक्षा सँ जुड़ल लोक छथि जे क्रमशः एहि संकल्प केँ पूरा करबा मे योगदान देता। संगहि ओ अपील सेहो केने छथि जे अहाँ तमाम शिक्षाप्रेमी सँ निवेदन अछि कि चैनपुर केर आबयवला पीढ़ी केँ बेहतर दिशा देबाक प्रयास मे योगदान दी।
एकटा गाम सनक जगह पर ग्रामीण युवा सबहक जागरुकताक स्तर चैनपुर मे अत्यन्त प्रशंसनीय अछि। ओतय मैराथन, टुर्नामेन्ट, हेल्थ कैम्प, चैनपुर आइडल (रियलिटी शो) आदिक सफलतापूर्वक आयोजन एहि सँ पूर्व मे कैल जा चुकल अछि। एतेक रास सृजनशील काज करबाक उत्कृष्ट उदाहरण सँ आरो गाम सब केँ प्रेरणा भेटैत अछि। मैथिली जिन्दाबाद!!