मई २२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला रवि दिन दिल्ली मे आयोजित ‘जानकी जन्मोत्सव समारोह’ केर सफलताक चर्चा यत्र-तत्र-सर्वत्र तऽ भेबे कैल, आयोजन उपरान्त आरो महत्वपूर्ण परिणाम सब आयब शुरु भऽ जेबाक जानकारी आयोजक संस्था ‘वैदेही’ केर संस्थापक अमर नाथ झा करौलनि अछि।
अपन फेसबुक अपडेट्स मार्फत सब केँ नमस्कार करैत ओ जानकारी देलनि अछि जे ‘वैदेही’ मादे स’ हमरा सभक हेतु एकटा नीक समाचार अछि! भारत सरकार केर महत्वाकांक्षी अभियान ‘बेटी बचाउ- बेटी पढ़ाउ’ आ ‘स्त्री- सशक्तिकरण’ केर तत्वावधान में संस्कृति मंत्रालयक गाँधी स्मृति एवं दर्शन समिति केर संग ‘वैदेही’ केर प्रयास, प्रथम जानकी जन्मोत्सव समारोहक आयोजन केर बहुत प्रशंसा भ’ रहल अछि! एहि कार्यक्रम केर सफलता स’ उत्साहित होइत संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार, गाँधी स्मृति एवम् दर्शन समिति द्वारा जानकी जन्मोत्सव आ मैया सीता सम्बंधित एकटा नीक पुस्तक प्रकाशित करबाक योजना बनओलक अछि। ई बड्ड नीक समाचार अछि वैदेही आ संगहि समस्त मैथिल जन हेतु। मैथिली में संभवतः पहिल ई प्रकाशन, संभव अछि जे मैथिली आ अंग्रेजी में द्विभाषिक हो आ एकर एकटा हिंदी रूपांतर सेहो हो।
आरो आगाँ जानकारी दैत ओ कहलनि अछि जे एहि पुस्तक में 15 मई क’ आयोजित भेल जानकी जन्मोत्सव समारोह में आयल अतिथि लोकनिक सन्देश, हुनक वक्तव्य आ आलेख त’ रहबे करत संगहि मिथिला-मैथिली स’ संबन्धित आन-आन वस्तु आ जानकारी सेहो समाहित होयत। अपने सब स’ निवेदन अछि, अपने सब यदि अपन कोनो विषय स’ सम्बंधित रचना, जानकारी, कविता, खिस्सा-पिहानी एहि ऐतिहासिक पुस्तक में प्रकाशित करयवाक हेतु उत्सुक होइ, त’ गाँधी स्मृति एवम् दर्शन समिति द्वारा निर्धारित अंतिम तिथि 31 मई 2016 तक अवश्य अपन रचना [email protected] आ एक कॉपी [email protected] पर पठा देल जाउ। रचना संग एकटा स्व-सत्यापित पत्र जाहि में ई घोषणा हो जे उक्त रचना कत्तहु आर ठाम स’ उद्धृत नहि अछि आ यदि कत्तहु स’ उद्धृत वा पूर्व में प्रकाशित हो त’ साभार में ओकर उल्लेख अवश्य हो। ध्यान राखब ई वैदेही आ गाँधी स्मृति एवं दर्शन समिति केर संयुक्त प्रयास अछि ताहि अंतिम निर्णय मे बदलाव संभव नहि!
अन्त मे श्री झा एक बेर फेर सँ शुभेच्छुक मैथिल प्रति कृतज्ञता प्रकट करैत धन्यवाद केलनि अछि। दिल्लीक दिलवाली भूमि पर अमर नाथ झा केर संयोजन मे अनेकानेक आयोजन पहिनहु संपन्न कैल जा चुकल अछि, परन्तु एहि बेरुक कार्यक्रम ओ नितान्त जरुरत अनुसार कार्यकर्ता वा सल्लाहकार वा कोष व्यवस्थापन आदि पूर्णरूपेण अपनहि जिम्मा मे राखि ई आयोजन करबाक एकटा नया रेकर्ड अपन नाम कएलनि अछि। श्री झा केर संयोजन क्षमता सँ पहिनहुँ बेर-बेर दिल्लीवासी व समस्त विश्व मे पसरल मैथिल परिचित छलाहे, एहि बेर साक्षात् वैदेहीक कृपा सँ ‘वैदेही’ नामक नव गैर-सरकारी संगठन आ भारतक एकटा स्थापित संस्थान राष्ट्रपिता महात्मा गाँधी सँ जुड़ल रहल संग सहकार्य मैथिली केर ब्राण्ड आ मार्केटक वृहत् रूप आ संभावना केँ परिलक्षित केलक ताहि वास्ते हिनक जतेक प्रशंसा कैल जाय ओ कमे होयत। अक्सर मैथिली कार्यक्रम लेल जैंह-तैंह हाथ पसारबाक दिन आब नहि रहि गेल अछि, से बात एहि उत्सव-समारोह सँ श्री झा प्रमाणित कएलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई ज्ञापन करैत उपरोक्त अभियान मे सब कियो सहभागी बनि एकटा नव इतिहास केर पन्ना मे अपन नाम जोड़ब से आशा व विश्वास अछि।
हरिः हरः!!