Search

शराब बन्द, ताड़ी उपलब्ध करेबाक प्रयासः बिहारक नव रूप

369 भ्यूज

बंद बोतल में भेटत आब ताड़ी: पियक्कड़ के लेल सरकार केलक पहल
– साभार हिन्दी समाचार – अनुवाद प्रकाश कमती, मुम्बई
 
taadiमुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि अछि जे राज्य में शराबबंदी लागू भेलासँ नारीशक्ति केर सफलता बुझी। मंगलदिन सहरसा स्टेडियम में जीविका केर महिला सँ संवाद केर दौरान श्री कुमार कहलनि जे जाहिठाम अवैध रूपसँ शराब बनेबाक सूचना जौं भेटैत अछि, तs सामूहिक रूपसँ भट्ठी केर तोड़ि दीयौक, सरकार अहाँक संग रहत।
 
कोसी क्षेत्र केर तीन जिला सहरसा, मधेपुरा आ सुपौल सँ आयल करीब आठ हजार महिलासँ संवाद केर दौरान श्री कुमार कहलनि जे राज्य में पूर्ण शराबबंदी लागू कए बिहार बापूजीक सपना केँ साकार केलक अछि। अहि सँ पैघ सामाजिक परिवर्तन और कि भए सकैय..? संगहि एकर असर आब देखबाक सेहो भेंट रहल अछि।
 
करीब 40 मिनट केर सम्बोधन में सीएम श्री कुमार शराब कारोबारी केँ सख्त तेवर में चेतावनी देलनि। नीतीश कहलनि जे पड़ोसी राज्यक सीमा पर शराबक बेसि दोकान खुलबाक बात सेहो सोझा आएब रहल अछि, शराब कारोबारी चाहैत अछि जे पड़ोसी राज्यहि सँ कारोबार चलायब, मुदा नीतीश कहलनि जे हम ऐना होबए नहि देबैन। आब एहन माहौल बनि रहल छैक जे पड़ोसी राज्य झारखण्ड, यूपी मे सेहो शराबबंदी कानून लागू करबाक लेल बाध्य होबए पड़तैक।
 
सीएम कुमार कहलनि जे आगामी दिन में ताड़ केर रस अर्थात ताड़ी के बोतलबंद पेय पदार्थक रूप में सरकार लोकक बीच उपलब्ध कराओत। ताड़ी पर राजनीति केनिहार के नीतीश चेतावनी भरल शब्द में कहलनि जे कुनो एक समुदाय केर ताड़ी बेचैक नाम पर बहकाबैक साजिश हम कामयाब नहि होए देबैन्ह। आबै बला एक साल में सरकार एहन व्यवस्था कए रहल अछि जाहि में भिनसर होबए सँ पहिनहिये ताड़क रस (ताड़ी) उतारि लेल जायत फेर ओकरा प्रसंस्करित कए बोतलबंद पेय पदार्थक रूप में लोक तक पहुँचायल जायत, अहि लेल तमिलनाडु जा कए विशेषज्ञ टीम अध्ययन कए रहल अछि।
 
मंच पर ऊर्जा मंत्री श्री विजेंद्र प्रसाद यादव, अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री अब्दुल गफूर, आपदा प्रबंधन मंत्री चंद्रशेखर, मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह डीजीपी पीके ठाकुर, ग्रामीण विकास विभाग केर सचिव अरविंद कुमार चौधरी, कोसी प्रमंडलीय आयुक्त टी.एन. विन्देश्वरी संगहि दर्जन भरि विभागक अनेक मंत्री, विधायक आ जनप्रतिनिधि उपस्थित छलाह।

Related Articles