मैथिली फिल्म हाफ मर्डर केर नायक कृष्णा संग संस्कारक बात

प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल १८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

वास्तविकता पर आधारित किछुए दिन पहिने एकटा मैथिली सिनेमा बनल छल, ओहि सिनेमाक नायक कृष्णा जी छलाह। तs आऊ मैथिली सिनेमा के सुपरस्टार कृष्णा मिश्रा जी के साक्षात्कार जे ओ अपन प्रसंशक सबहक लेल सोशल मिडियाक ‘संस्कार’ पेज के देलनि अछि ओहि पर नजैर घुमाबि :-

krishna half murderप्रश्न : कृष्णा जी अहाँ मैथिली सिनेमा सीरियल के सुपरस्टार तँ छिहे संगहि आब हिंदी सिनेमा में सेहो कार्य क चुकल छी तs आय अपना प्रशंशक सब केर अपन समबन्ध में किछु बताओल जाऊ।

1. प्रश्न :- कृष्णा जी सर्वप्रथम अहाँक परिचय जानै चाहब…?
कृष्णा : सबसँ पहिने ‘संस्कार’ पेज आ मिथिला-मैथिली के समस्त श्रोता गण के हम कृष्णा मिश्रा प्रणाम करैत छी ।
पहचान में एतबा कहब जे मैथिली में बाजैत छी, मैथिलिये सुनs चाहैत छी, मैथिल छी हम मिथिला के दिल में रहs चाहैत छी। हमर गाम के नाम “काँटा”अछि जे मुजफ्फरपुर ज़िला में गायघाट ब्लॉक के अंतर्गत आबैत अछि।
2. प्रश्न :– अभिनय में रूचि कोना आयल?
कृष्णा : अभिनय में रूचि त् बचपनहि सँ छल, स्कूल समय सँ अपना सीनियर सबके देखिये नाटक करैत त् हमरो मोन हुए जे हमहूँ अभिनय करी, लेकिन इंटरमीडिएट पास केला के बाद ऊ रूचि कहिया जूनून बनि गेल पता नै चलल।
3. प्रश्न :– एखन तक कतेक सिनेमा आ धारावाहिक में काज कए चुकल छी अपने ?
कृष्णा : एखन तक हम दू टा मैथिली सिनेमा ‘हाफ मर्डर’ आ ‘हम लक्ष्मी अहाँ आँगन केर’ जे एखन (Post Production में अछि) में काज केलौं अछि।
आ एकटा हिंदी सिनेमा “Murari The Mad Gentleman” में सेहो काज केलौं अछि।
4. प्रश्न :– अहाँक अभिनीत पसंदीदा पात्र केर किछु जानकारी देल जाऊ…?
कृष्णा : एखन तक केर हमर सबसँ पसंदीदा पात्र छथि हमर ‘डब्लू’ केर जे हम हिंदी सिनेमा ‘Murari The Mad Gentleman’ में निभौने छी । ई पात्र हम्मर दिल के नजदीक दू टा कारण सँ अछि, पहिल जे ई पहिल बॉलीवुड हिंदी सिनेमा अछि जाहि में एतेक नीक सँ मिथिलाक कला-कौशल केर देखाओल गेल अछि संगहि दोसर जे अहि सिनेमा में हम जानल मानल हिंदी सीने स्टार हास्य कलाकार श्री दामोदर असारानी जी केर संग Screen Share केलौं। ई पात्र के निभाबैत हमरा आंत्र संतुष्टि सेहो भेटल।
5. प्रश्न :– पाहुन धारावाहिक के अनुभव अहाँक लेल केहेन रहल एखन तक?
कृष्णा : पाहुन सीरयल के अनुभव बहुत नीक रहल हम बहुत किछ सीखलौं आ सबसँ पैघ बात जे पाहुन हमरा घर-घर पहुंचेलक । आय लोक हमरा हम्मर नाम सँ विशेष ‘निर्मल’ जे हम्मर किरदार के नाम अछि सीरियल में ओहि सँ जनैत छथि आ बजबैत सेहो छथि।
6. प्रश्न :– मैथिली सिनेमा के भविष्य अहाँ के नजरि में केहन छैक …?
कृष्णा : मैथिली सिने इंडस्ट्री में बड्ड संभावना छैक, ज़रूरत छै तs नीक काज केर, नीक कहानी केर, नीक Making के अगर Professionally सिनेमा बनाएल जाय तs मैथिली सिनेमा एकटा पैघ इंडस्ट्री के रूप में विकसित भ सकैत अछि।
मुदा हँ मोन सँ लगै पड़तैक, Dedicate भकए काज करै पड़तैक। एखन एकटा मैथिली सिनेमा “मिथिला मखाना” केर राष्ट्रीय पुरुष्कार भेटलैक जे फ़िल्म मिथिलाक पृष्ठभूमि पर बनल अछि। इ अहि बातक सबूत अछि जे मैथिली सिनेमा में बहुत रास सम्भावना छैक।
7. प्रश्न :– एहन कुनो व्यक्ति केर नाम लेबए चाहब जे एहि इंडस्ट्री में अहाँक संग देने होथि…?
कृष्णा : हाँ लोक कहैत छैक ने जे बिना गुरु केर ज्ञान सम्भव नहि, बिनु मार्गदर्शक केर मंज़िल सम्भव नहि, ओहिना हमरो जीवन में हमर माथ पर जिनकर हाथ रहल आ अईछ ओ छथि हमर गुरु हमर भाई सागर जी, जिनका अहाँ सब सिने अभिनेता, राइटर सागरनाथ झा केर नामसँ जनैत होयब आ दोसर छथि श्री शुभनारायण झा भाई जी मैथिली के जानल मानल अभिनेता। अगर हिनकर सबके सपोर्ट नहीं रहित तs शायद हम एतै नहि रहितौं।
धन्यवाद कृष्णा जी जे अहाँ अपन बहुमूल्य समय में सँ किछु समय अपन मैथिली आ मिथिलाक लोकनिक परिचय रूप में देलौं।
सौजन्य :- ‘संस्कार’ फेसबुक पेज
प्रस्तुति :- नीरज मिश्र मुन्नुजी

अनुवादकर्ता :- प्रकाश कमती