प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
गरमी छुट्टी होमयवला अछि। प्रवासी मैथिल सब आम खेबाक लेल आ गरमीक छुट्टी सेहो गाम मे बितेबाक लेल रेलवे टिकट लेल एखनहि सँ बेहाल छथि। रेलवे केर आरक्षण लेबाक लेल परेशान रहैत अछि लोक। जखन आरक्षण नहि भेट पबैत अछि तs साधारण यानी जेनरल बोगी में जेबाक निर्णय लएत अपन मातृभूमि लेल खुशी-खुशी विदा भs जाएत छथि।
एहि विशेष यात्राक समय मे जेनरल बोगी में भिन्न-भिन्न तरहक यातनाक शिकार होएत, कष्ट सहितो यात्रा करैत मोनक उत्साह देखवला रहैत अछि, चूँकि अपन मातृभूमि जेबाक अलगे जोश रहैत छैक।
रेल यात्री लेल सुरक्षा केर उपाय सँ सम्बन्धित अपील
सेंट्रल रेलवे मुम्बई यात्रीक यैह परेशानी आ भीड़-भाड़ मे कुनो अप्रिय घटना नहि घटय ताहि लेल सबसँ अपील केलक अछि जे यात्राक दौरान अहाँ असगर रहब तखन कुनो व्यक्ति विशेष जिनका सँ अहाँ परिचित नहि छी, तेहेन व्यक्ति सँ दूरी बनाकय राखब जरुरी अछि। उत्तर भारत मे महाराष्ट्र सँ जतेक गाड़ी जा रहल अछि ओहि गाड़ी में किछ अपराधी तत्त्व अपन समूह बनाकए यात्री संग नशाखुरानी, लूटपाट, आदि अप्रिय घटना सबकेँ अंजाम दैत अछि। एहेन स्थिति मे यात्राक समय सचेत रहब आवश्यक अछि।
अपील पत्र मे साफ-साफ लिखल अछि जे ट्रेन मे मैथिली आ भोजपुरी भाषाभाषी बीच यैह भाषा सबहक सहारा लैत अपराधी तत्व यात्री केँ अपन जाल मे फँसबैत अछि। मैथिली वा भोजपुरी बजनिहार शुरु मे यात्री संग नीक व्यवहार करैत अछि, जाहि सँ भ्रमित होयबा सँ बचब जरुरी अछि। ई आपराधिक समूह यात्री सबहक मातृभाषा केर सहारे मित्रता बढेबा मे आसानी सँ सफल भs जाएत अछि जेकर परिणाम धोखाधड़ी, लूटपाट, चोरी आदि होएत अछि। जेकरे मित्र बुझब, वैह अहाँक दुश्मन साबित भऽ सकैत अछि। अतः रेल केर ई अपील पर सब कियो ध्यान दी आ यात्राक समय सतर्कता अपनाबी।