अबोध बच्चाक कलेजा निकालबाक कूचेष्टा, अपराधी गिरफ्तार

कुणाल, मधेपुरा। अप्रैल १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!

समाचारः साभार कोसी एक्सप्रेस न्युज, सहरसा

kunal1मधेपुरा जिलाक सिंहेश्वर थाना क्षेत्र अंतर्गत जजहट सबैला मे वृहस्पति दिन साँझक समय एकटा बचियाक कलेजा निकालबाक दुस्प्रयास करबाक आरोप मे एक युवक केँ तलवार और चक्कू सहित पकड़ल गेल अछि।

ग्रामीण सब ओहि अपराधी केँ बाद पुलिसक हवाला कय देलक। आरोपी जिला मुख्यालय केर कॉलेज चौक निवासी अनमोल कुमार मुखिया बताओल जा रहल अछि। ओकरा संग करीब आधा दर्जन आरो युवक सब छल जे फरार होयबा मे कामयाब रहल, ई बयान ग्रामीण सब द्वारा देल गेल अछि।

जजहट सबैला केर मंसूरी टोला निवासी मो. हसीम केर 6 वर्षीय बेटी नरजीना खातून पुलिस केँ बतेलक जे सायंकाल ओ अपन घरक पछुऐत मे किछु काज सँ गेल छल, तखनहि झाड़-जंगल मे नुकायल 6-7 जन तलवार और चक्कू देखबैत आयल आर ओकरा उठाकय लऽ जाय लागल।

लोक सब ओकर कलेजा निकालबाक बात कहि रहल छल। बचिया द्वारा हल्ला केला पर ओकर माय-बाप तथा ग्रामीण पहुंचि गेल आर अनमोल मुखिया केँ पकड़ि लेलक। अनमोल केर संग आयल आन अपराधी सब मौकाक फायदा उठाकय भागि गेल। बाद मे सिंहेश्वर थाना केँ खबर देल गेल, ओतय पहुंचि पुलिस द्वारा आरोपी केँ गिरफ्तार कय थाना लऽ जायल गेल।

आरोपी अनमोल कुमार मुखियाक कहब अछि जे वृहस्पति दिन जुड़ि शीतल छल। एहि दिन शिकार खेलेबाक परंपरा अछि। तही लेल ओ सब शिकार खेलेबाक लेल आयल छल। एहि समय बचिया बिना कारण चिकरय लागल। थानाध्यक्ष राजेश चौधरी कहलनि जे पुलिस पूरा मामिलाक जांच कय रहल अछि।