झंझारपुर, मधुबनी। अप्रैल ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
साहित्यांगन केर संयोजक मलयनाथ मंडन जानकारी दैत कहलैन अछि जे प्रत्येक मास एकटा निश्चित तारीख केँ आयोजित होयवला कीर्ति कुम्भ चारिम बेर फेर झंझारपुर मे मैथिली कथा केँ ठोस दिशा देनिहार साहित्यकार “ललित”पर केन्द्रित आयोजित कैल जायत।
ललितेश ललित संग चारि अन्य साहित्य पुरुष प्रभाबती झा, रामचरित्र पाण्डे अणु, राजेश्वर झा आ उपेन्द्र दोषी केर जयन्ती मास हेतु एहि आयोजन मे हुनका सबकेँ स्मृति करैत श्रद्धांजलि सेहो अर्पण कैल जेबाक अछि। संगहि पूर्व निर्धारित प्रारूप अनुसार एहि महान् मैथिली साहित्यकार स्रष्टा लोकनिक ब्यक्तित्व-कृतित्व पर सेहो चर्चा कैल जायत।
मलयनाथ मंडन कहलैन जे महत्वपूर्ण बिषय ई जे महान लेखक “ललित”क नाम पर “कृतग्य साहित्याङ्गन सम्मान” देबाक सेहो विचार भेल अछि। ओहि पर खोज लगातार चलि रहल अछि।
संगहि मंडन अपन जिज्ञासा आम पाठकवर्ग सँ रखैत पूछलैन अछि जे उक्त पाँच मैथिलीक कीर्ति पुरूषक अलावे जनिक अप्रील मास मे जयन्ती होइन हुनक सूचना ह्वाट्सएप्प नम्बर:-08298221979 पर अथबा फोन नम्बर::-09430241979 पर देल जा सकैत अछि। उक्त पाँच और अन्य केर चित्र सेहो उपलब्ध कराओल जा सकैत अछि।
संगहि मंडन ईहो जानकारी करबैत कहलैन अछि जे एहि मास पंचायत चुनाव लय सामाजिक आ भागिनक उपनयन लय पारिबारिक जिम्मेबारी बेसी बढल अछि।
11 केँ उपनयन जे 15 तक छेकने अछि। 24 केँ पंचायत चुनाव छेकने अछि, तें समयाभाव बेसी अछि। तें तारीख मे हिल डोल भ सकैये अखनि धरि आयोजन 25 कें करबाक रहे। देखू की होइत अछि। सबहक सहयोग बनल रहे। जय मिथिला!!जय मैथिली!!! जय कीर्ति पुरूष!!!!