सरिसव पाही, मधुबनी। मार्च २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाचारः साभार सतीरमण झा
“साहित्यिकी” सरिसब पाहीक मासिक बैसार आइ पाही स्थित श्री अमल कुमार झाक आवास पर वयोवृद्ध साहित्यकार श्री कृपानाथ झा जीक अध्यक्षता मे भेल जाहिमे मुख्य अतिथि रहथि गुरुवर श्रीजीवनाथ मिश्र ।
एहि अवसर पर साहित्यिक गतिविधि यथा – कथा, कविता पाठक अतिरिक्त पुस्तकक विक्रीक समस्याक निदान पर विशेष विचार भेल । स्थानीय अनेक गणमान्य साहित्यकार डा• यशोदानाथ झा, श्रीपति सिंह, पंजीकार श्री विभूतिनाथ झा, डा• हीरानाथ झा, प्रो• केदारनाथ झा, प्रो• विद्यानाथ झा, श्री मलयनाथ मिश्र मण्डन, श्री रतिनाथ झा, श्री तारानाथ झा आदिक संग हमहूॅ डा• सतीरमण झा उपस्थित रही ।
धन्यवाद युवा साहित्यकार ओ अध्येता अमलजी केँ एहि कार्यक्रमक संयोजन ओ भव्य सत्कार हेतु । सूचना भेटल जे अग्रिम बैसार विशिष्ट वैज्ञानिक ओ सुप्रसिद्ध साहित्यकार आदरणीय योगेन्द्र पाठक वियोगी जीक पैतृक आवास गाम – लोफा मे दिनांक 10-4-16 केँ होयत ।
अन्तमे विशिष्ट साहित्यकार डा• सुरेश्वर झाक निधन प्रयुक्त हुनक योगदानक चर्चा कए श्रद्धाञ्जलि प्रकट कएल गेल ।