आचार्य कुणाल धार्मिक न्यास समितिक अध्यक्षीय पदभार करता हस्तान्तरण

पटना, मार्च १०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

आचार्य किशोर कुणाल केँ राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल केर हाथ सँ सम्मान हस्तान्तरण करबाक एक दृश्यः फोटो साभार फेसबुक
आचार्य किशोर कुणाल केँ राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल केर हाथ सँ सम्मान हस्तान्तरण करबाक एक दृश्यः फोटो साभार फेसबुक

पूर्व आइपीएस अधिकारी तथा बिहार राज्य धार्मिक न्यास समितिक अध्यक्ष आचार्य किशोर कुणाल फेसबुक द्वारा जानकारी दैत घोषणा केलनि अछि जे ओ आइ समितिक अध्यक्ष पदभार हस्तान्तरण कय देता। एहि सँ बेसी कोनो तरहक जानकारी हाल धरि प्राप्त नहि भेल अछि। टेलिफोन द्वारा सम्पर्क केला पर ओ महावीर मन्दिर पटना मे पाठ पर बैसि जेबाक कारण बाद मे सम्पर्क करबाक जानकारी हुनक निजी सचिव सँ भेटल।

एहि सँ पूर्व आचार्य किशोर कुणाल अपन मनक अन्तर्भावना व्यक्त करैत फेसबुक स्टेटस पर लिखने छलाह जे “ना हार में ना जीत में, किञ्चित नहीं भयमीत में, संघर्ष पथ पर जो मिले ये भी सही वो भी सही, वरदान माँगूँगा नहीं।” – कयास टा लगा सकैत छी जे एक अत्यन्त ईमानदार आर कर्मठ आइपीएस अधिकारीक रूप मे प्रसिद्ध आचार्य टाइटिल सँ पर्यन्त सुशोभित किशोर कुणाल कोनो बिपरीत परिस्थिति मे समझौता नहि करबाक ठानि चुकल छथि आर ओ अपना केँ पदमुक्त करब चुनलनि, जेना कहियो ओ अपन पूलिस अधिकारीक पद सँ स्वैच्छि अवकाश ग्रहण करैत राजनीतिक झोल सँ ऊपर अपना केँ सिद्ध कएने छलाह।

आचार्य किशोर कुणाल सँ परिचित, हुनक कार्यशैलीक प्रशंसक लोकनि एहि समाचार सँ दुःखी भेला अछि। लेकिन जाबत एहि सन्दर्भ सब रहस्य पर सँ पर्दा नहि उठत, आगाँ किछु कहबाक स्थिति नहि अछि। विदित हो जे आचार्य कुणाल केँ रहैत पटनाक महावीर मन्दिर सहित समूचा राज्य केर विभिन्न महत्वपूर्ण धार्मिक स्थलक रेख-देख आ संरक्षणक जिम्मेवारी राज्य सरकार द्वारा निर्वाह कैल गेल। हलाँकि मिथिला क्षेत्र लेल किछु विशेष कार्य नहि कय सकबाक आर गोटेक निजी धर्म क्षेत्र केँ जबरदस्ती राज्यक हिस्सा बनेबाक तथाकथित आरोप आचार्य पर लगैत रहलनि अछि। परन्तु हिनक समर्पण आर कार्यशैलीक प्रशंसा दहोंदिशि होएत रहल अछि ताहि सँ कियो नकारि नहि सकैत अछि।

मैथिली जिन्दाबाद प्रयास मे अछि जे आचार्य किशोर कुणाल संग साक्षात्कार एहि सम्बन्ध मे शीघ्र पाठकवर्ग धरि आनय। आचार्य कुणाल आजीवन नीक योगदान करैत रहला अछि, आगुओ लेल शुभकामना।