मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति केँ सर्वोत्कृष्ट योगदान पुरस्कार

समाचार साभारः अमरनाथ चौधरी, दरभंगा। मार्च ९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

lnmu1कुलपति केँ भेटलनि सर्वोत्कृष्ट योगदान पुरस्कार

सीएम साइंस कॉलेज केँ बिहार केर उत्कृष्ट कॉलेजक आवार्ड

दरभंगा : ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा केँ शिक्षा क्षेत्र मे सर्वोत्कृष्ट योगदान पुरस्कार भेटलनि अछि और ई अवार्ड कुलाधिपति रामनाथ कोविंद केर उपस्थिति मे नेशनल बिहार एडुकेशन समितक तत्वावधान मे देल गेल अछि जे मिथिला लेल गौरव केर बात भेल।

lnmu2एतबा नहि, विश्वविद्यालय केर अंगीभूत प्रीमियर इकाई सीएम साइन्स कॉलेज केँ बिहार केर उत्कृष्ट शिक्षण संस्थान केर अवार्ड सेहो देल गेल अछि। पटनाक होटल मोर्या मे महामहिम कुलाधिपति रामनाथ कोविन्द द्वारा महाविद्यालय केर प्रधानाचार्य डा. अरविन्द कुमार झा केँ अवार्ड प्रदान कैल गेल। प्रधानाचार्य केर संग वरिष्ठ शिक्षक डा. रतन कुमार चौधरी, डा. अजय कुमार ठाकुर, रोहित कुमार झा सहित महाविद्यालय केर १० छात्र-छात्रा लोकनि सेहो उपस्थित छलाह।

कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा केर निर्देशन मे महाविद्यालय केर शिक्षक एवं शिक्षिकेत्तर कर्मी लोकनिक कड़ा मेहनत केर ई फल थीक। ई आयोजन भारत सरकार केर एमएचआरडी, एआइसीटीइ एसोसिएशन आॅफ इंडियन यूनिवर्सिटी डिपार्टमेन्ट आॅफ एमएसएनइ, एमएनआरआइ, एएसआइसी तथा एनआईइ, एलआईटी केर तरफ सँ कैल गेल छल। एहि अवसर पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर कुलपति केर अतिरिक्त मगध, तिलका मांझी, चाणक्या, नालंदा ओपेन विश्वविद्यालय, राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय केर कुलपति एवं पटना आईआईटी केर निदेशक सेहो उपस्थित छलाह।