दरभंगा, मार्च ५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
वर्तमान समय मे सामाजिक संजाल केर माध्यम सँ मैथिली-मिथिलाक विभिन्न अभियान केर नाम पर चन्दा उगाहीक बात सोझाँ अबैत छल। किछु कलाकार कला-प्रदर्शनक नाम पर सेहो ब्लैकमेल करैत गोटेक नीक लोक मैथिल सँ पाइ ठकबाक जोगार मे रहैत छथि, ईहो अपुष्ट समाचार बेसीकाल चर्चा मे भेटैत अछि। तहिना फिल्म केर नाम पर आ गीतक एल्बम आदि बना देबाक लेल सेहो भिन्न-भिन्न प्रकारक ठगी मामिला सब सोझाँ अबैत रहल अछि। एहि कड़ी मे लेटेस्ट घटना थीक ई दरभंगा सँः पंचोभ निवासी विक्की चौधरी द्वारा फिल्म बनेबाक नाम पर करीब १२ लाख रुपयाक ठगी कैल गेल, जाहि लेल ओकरा विरुद्ध थाना मे एफआइआर दर्ज कराओल गेल छल। मामिलाक छानबीन कएला पर शिकायत सच पाओल गेल आर परसू ३ मार्च केँ आरोपी विक्की चौधरी केँ गिरफ्तार कैल जेबाक समाचार प्रकाशित अछि। सामाजिक संजाल केँ दुरुपयोग कएनिहार सेहो किछु रास तत्त्व एहि तरहक नकली कारोबार कय रहल अछि आर अपुष्ट जानकारी मुताबिक ओहेन लोक पर सेहो कानून द्वारा कार्रबाई करेबाक लेल शिकायत दर्ज कराओल जाएत।