दरिभंगा सँ शोक संदेश

मैथिली मिथिला अभियानी मणिकांत ठाकुर (आकाशवाणी दरभंगा संवाददाता) केँ पुत्र शोक - मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ श्रद्धाञ्जलि

दरभंगा, मार्च २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

manikant putraआकशवाणी केर संवाददाता एवं मैथिली कवि संग मिथिला अभियानी स्रष्टा मणिकान्त झा केर १८ वर्षीय पुत्र दीपक कुमार झा केर असामयिक मृत्यु सँ दरभंगा सहित समस्त मैथिली-मिथिला जगत् मर्माहत् अछि।

मैथिली भाषा ओ साहित्य केर सेवा मे निरन्त कार्यरत विभिन्न संस्था मणिकान्त झा केर पुत्र शोक केर कारण स्वयं केँ शोक मे रहबाक घोषणा करैत दीपक केर आत्मा केँ शान्ति पेबाक लेल आर शोकसंतप्त परिवार केँ एहि दुःसह समय मे धैर्य धारण करबाक लेल ईश्वर सँ बल प्रदान करबाक लेल ईश्वर सँ प्रार्थना कय रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद सेहो एहि शोकक घड़ी मे शोकाकुल परिवारक संग रहि दीपक केर पुण्यात्मा केँ शान्ति भेटबाक प्रार्थना करैत अछि।

प्रभात खबर मे प्रकाशित समाचार केँ मानल जाए तऽ दीपक सोम रवि दिन शुभंकरपुर अपन निवास सँ कतहु घूमय लेल बाहर जेबाक क्रम मे हुनका कोनो विषधर साँप काटि लेलकनि, जाबत-जाबत परिवारक लोक हुनका लय केँ अस्पताल पहुँचल, ओतय डाक्टर द्वारा हुनका मृत घोषित कय देल गेल।

सामाजिक संजाल आदि पर सेहो एहि दुखद खबड़ि केर प्रसारण शीघ्र आगि जेकाँ पसैर गेल। दिल्ली सँ मैथिली साहित्य महासभाक अध्यक्ष अमर नाथ झा स्तब्ध रहैत एहि बारे मे मैथिली जिन्दाबाद कार्यालय मे सम्पर्क सेहो केलनि। मुदा एहेन दुखद खबैर झूठे हो ई सोचि पहिने तऽ नकारल गेल, मुदा मृत्यु समान कठोर सत्य बाद मे साहित्य संगम पर देल गेल समाचार पत्र केर कटिंग सँ ज्ञात भेलाक बाद प्रमाणित भेला सँ हम सब आहत भेलहुँ।