Search

साहित्यांगन केर दोसर कीर्ति-कुम्भ झंझारपुर मे संपन्न

साभारः मलयनाथ मिश्र, झंझारपुर, मधुबनी। २८ फरबरी, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

sahityangan“साहित्याङ्गन” झंझारपुर (मधुबनी) केर दोसर कीर्ति कुम्भ क सफलतापूर्वक आयोजन आइ सम्पन्न भेल।

पहिल सत्रमे:-

“कृतग्य मिथिला” कृतग्य साहित्याङ्गन सम्मान 2016 सँ डॉ विश्वेश्वर झा आ डॉ मुरलीधर झा जी केँ सम्मानित केलक।

दोसर सत्र मे:- कीर्ति कुम्भ जे महाकवि पं0 लाल दास पर केन्द्रित छल ओहि मे मुख्य बक्ता डॉ मुरलीधर झा अपन ब्याख्यान देलैन। अमल कुमार झा द्वारा डॉ0 अमर नाथ झा पर सारगर्भित विचार राखल गेल। संगहि डॉ0 रमानन्द झा रमण द्वारा कुल आठो कीर्ति पुरुष पर अपन समुचित जानकारी देल गेल।

तेसर सत्र मे: काव्य संसार मे 15 गोट कवि लोकैन अपन ओजपूर्ण कविताक पाठ केलैन।

चारिम सत्र मे: रंग बरसे मे काशी नाथ झा किरणजी होरीक दूटा गीत गाबि मन गद गद क देलैन्ह।

चारू सत्रक अध्यक्षता विद्वान साहित्यकार डॉ0 जगदीश मिश्रजी केलैन्ह। सम्मान सौंपबाक लेल संस्कृत मे साहित्य अकादमी द्वारा सम्मानित डॉ0 रामजी ठाकुर आ मैथिली अनुबाद साहित्य अकादमी सम्मान प्राप्त डॉ खुशीलाल झा उपस्थित छलाह।

संचालन आ संयोजन हम (मलयनाथ मंडन) स्वयं कय रहल छलहुँ। आयोजन मे हिनका लोकनिक अलावा डॉ0 केदार झा, डॉ सतीरमण झा, जीब नाथ मिश्र, डा. अशोक अविचल, डॉ0 बुचरू पासवान, जगदीश प्रसाद मंडल, प्रीतम निषाद, काशीनाथ झा किरण, अमर नाथ झा, अजित आजाद, आनन्द मोहन झा, नारायण झा, आनन्द कुमार झा, श्रीपति सिंह, बिमल दास, संजीब शर्मा, भगिरथ दास, प्रो0 ईश नाथ झा, कल्प कवि, जटाशंकर झा सहित कतेको आन-आन विद्वान् वक्ता, कवि आदि उपस्थित छलाह।

आनन्द झाजी एवं संतोषझाजी केर विशेष सहयोग सँ उपस्थित करीब 65 गणमान्य केर सम्मान सेहो कैल जा सकल। साहित्याङ्गन हरेक ओहि ब्यक्तिक प्रति शुभकामना प्रेषित करैत अछि जेउपस्थित भ वा अनुपस्थित रहितहुँ हृदय सँ एहि आयोजनक सफलताक लेल कामना करैत छथि।

Related Articles