Search

मैथिली भोजपुरी अकादमी दिल्ली द्वारा ‘युवा महोत्सव’

 

दिल्ली। फरबरी १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

13-14_Feb._2016__1_दिल्ली सरकारक  मैथिली-भोजपुरी अकादमी द्वारा आयोजित द्वीदिवसीय युवा महोत्सवमे दिल्ली केर अनेको विद्यालय आ महाविद्यालयक सैकड़ों छात्र/छात्रा लोकनि जाहि तरहें हिस्सेदारी केलनि ओ वास्तव में चकित करय वाला बात अछि ।

महाराजा अग्रसेन महाविद्यालयक सभागार में नवम कक्षा स’ स्नातक तक केर विद्यार्थिक वास्ते कविता, निबंध, गायन एवं नृत्य प्रतियोगिताक आयोजन कयल गेल । अचरजक बात मात्र प्रतिभागी आ श्रोता-दर्शकक पैघ संख्या नहि अपितु जाहि तरहें पूर्वांचलक  भाषा मे उत्कृष्ट लेख एवं कविता आदि  प्राप्त भेल  तकर  आस तक नहि छल । एकर अतिरिक्त एहि नव दौर मे युवाक  बदलैत रूझानक लेहाज सौं गायन प्रतियोगिता मे सोहर, कजरी, ठुमरी आदि केर  प्रस्तुति  सुखद आश्चर्यक विषय रहल। नृत्य मे सेहो  ओडिसी, कत्थक, भरतनाट्यम समेत पाश्चात्य शैली तक मे युवाक बहुत नीक भागीदारी रहल।

13-14_Feb._2016__2_अकादमीक उपाध्यक्ष श्री कुमार संजॉय सिंह केर सान्निध्य मे भेल एहि महोत्सव मे प्रत्येक प्रतियोगिता मे प्रथम, द्वितीय, तृतीय आ  पांच-पांच गोट अन्य केँ सान्त्वना स्वरूपक प्रोत्साहन पुरस्कार प्रदान कयल गेल।

समापन समारोह मे आयल पूर्व राज्यपाल डा0 भीष्म नारायण सिंह कहलनि जे एहि तरहक अभिनव प्रयोगक लेल अकादमी बधाई केर पात्र अछि। ओ कहलनि जे पूर्वांचली भाषाक भविष्य एहि युवा लोकनि पर टिकल अछि ताहि सँ हुनका लोकनिक सहभागिता मे कएल गेल कार्यक्रम पैघ लक्ष्यक दिशा में लय जाय वाला अछि। ओ युवालोकनि सँ अपील केलनि जे बहुत तेज गति आ प्रदर्शन प्रिय भ’ गेल वर्तमान युग मे सेहो महात्मा गांधीजीक देल “सादा जीवन आ  उच्च विचार” केर मंत्र अहाँकेँ  शांति आ  संतोष देत जे  जीवन केर मूल उद्देश्य अछि। ओ कहलनि जे भारत मे जतेक प्रतिभा अछि  ओ विश्व केर  आन कोनो देश मे देखबा मे नहि अबैछ । आवश्यकता अछि एहि युवा देशक असीमित ऊर्जा केँ सही दिशा मे ल’ जाय वाला प्रयासक। अकादमी एहि दिशा मे सक्रिय अछि आ ई अत्यधिक प्रसन्नताक बात अछि।

yuwa mahotsav delhi1साहित्यिक पुरस्कार  हेतु  बनल  निर्णायक मंडल केर  अध्यक्ष प्रो0 गोपेश्वर सिंह आ  सदस्य वरिष्ठ पत्रकार श्री सुधीर सुधाकर एवं  श्री अखिलेश अखिल, मैथिलीक  कवि श्री रमन कुमार भोजपुरी कवि श्री मनोज भावुक  अत्यंत बारीकी स’ समस्त  प्रविष्टिक आकलन कयलनि । कविता प्रतियोगिता मे  प्रथम पुरस्कार श्री सूर्य प्रकाश त्रिपाठी, द्वितीय पुरस्कार सुश्री स्वाति, आ तृतीय पुरस्कार सुश्री सुष्मिता गुप्ता कें भेटलनि। एकर अतिरिक्त श्री पूजन कुमार ठाकुर, सुश्री अंशिका गोयल, सुश्री पूजा झा, श्री सुधांशु शर्मा आ श्री सचिन सिंह कें  प्रोत्साहन पुरस्कार देल गेल। निबंध प्रतियोगिता मे प्रथम पुरस्कार श्री अमित कुमार झा, द्वितीय पुरस्कार श्री स्वप्निल राय एवं तृतीय पुरस्कार श्री पूजन ठाकुर कें देल गेलनि। श्री अंशु सिंह, श्री रजत तिवारी, सुश्री शिप्रा, श्री राजन सिंह एवं सुश्री संजना भाटी कें प्रोत्साहन पुरस्कार देल गेलनि। खास बात ई रहल जे दिल्लीक  निकट दादरी केर रहय वाली सुश्री भाटी भोजपुरी मे अपन निबंध लिखने छलीह।

एहि अवसर पर प्रो0 गोपेश्वर सिंह कहलनि जे जखन मैथिली आ  भोजपुरी भाषी अपन भाषा केँ ल’ क’  जागृत होयताह तखनहि अकादमीक एहन लगातार प्रयासक भरपूर लाभ भेट पाओत । ओ कहलनि जे मैथिली आ  भोजपुरी हमर आचरण मे रहय। हमर  सबहक़  जिम्मेदारी अछि जे हम अपनहि भाषा मे बात करी आ  एकरा बढयबाक प्रयास हमरा सभकें करबाक चाही । भाषाक प्रति हमर मोन मे कोनो हीन भावना नहि रहबाक चाही।

गायन प्रतियोगिता लेल बनल निर्णायक मंडल मे अध्यक्ष सुप्रसिद्ध संगीत-नृत्य समीक्षक श्री रविन्द्र मिश्र केर अतिरिक्त सदस्य छलाह श्री अवनीन्द्र ठाकुर आ श्री के.पी.मौर्य। एहि प्रतियोगिता मे प्रथम पुरसकार श्री दीपक विशाल, द्वितीय पुरस्कार सुश्री दीना मोहंता आ तृतीय पुरस्कार, सुश्री स्तुति सिंह कें भेटलनि । प्रोत्साहन पुरस्कार श्री देवेन्द्र सिंह, श्री बिजेन्द्र पाण्डे, सुश्री अनुशा पाण्डे, सुश्री संजना-ईशा भाटी आ श्री चन्द्र प्रकाश चौहान भेटलनि।

नृत्य प्रतियोगिता लेल गठित निर्णायक मंडल मे श्री रविन्द्र मिश्र, डा0 शोभना नारायण और डा0 कविता ठाकुर छलीह। एहि मे प्रथम पुरस्कार सुश्री सोनी शर्मा, द्वितीय पुरस्कार सुश्री अंकिता शर्मा तथा तृतीय पुरस्कार तनिषा मोहंता के देल गेल। प्रोत्साहन पुरस्कार, श्री राजेश, सुश्री पूनम, सुश्री काजल एवं समूह सुश्री सोनम एवं समूह आ  श्री गौरव कुमार प्राप्त केलनि।

एहि अवसर पर श्री रविन्द्र मिश्र कहलनि जे प्रतिभागी लोकनि मे कतेको उत्कृष्ट गायन आ नृत्य केर उदाहरण प्रस्तुत केलनि अछि। ओ कहलनि जे गायन आ नृत्यक एतेक सूक्ष्म आ  शास्त्रीय समझ केर अपेक्षा आई काल्हुक युवा स’ कम कयल जैत अछि मुदा आई एहन सुन्नर भागीदारी देखिकय बड्ड प्रसन्नता  भेटल अछि। पद्मश्री डा0 शोभना नारायण बच्चा सब कें बधाई एवं शुभकाना दैत कहलनि जे भोजपुरी आ  मैथिली एत्तेक समृद्ध भाषा अछि जे एकर सम्पर्क मात्र स’ व्यक्ति मे अपनत्वक  भाव उत्पन्न भ जाइछ।

अंत मे उपाध्यक्ष श्री कुमार संजॉय सिंह कहलनि जे अकादमी के एहि तरहक पहिले प्रयास मे जेहन  सफलता भेटल ओ एहि बातक संकेत अछि जे दिल्लीक उदार जमीन मे पूर्वांचली प्रतिभाक बीज अंकुरित आ  पुष्पित-पल्लवित हेबाक लेल मचलि रहल अछि। ओ भरोस दिएलनि जे अकादमी अहिना युवाक  बीच जा-जाकय अपनी भाषा-संस्कृति आ  संस्कार कें सिंचन करवाक अनवरत प्रयास करैत रहत।

प्रतियोगिता मे प्रथम,  द्वितीय, तृतीय एवं प्रोत्साहन (पांच) स्थान प्राप्त करनिहार छात्र लोकनि कें  पुरस्कार स्वरूप क्रमशः ५,१००/-, ४,१००/- , ३,१००/- एवं २,१००/- टकाक राशि, प्रतीक चिह्न एवं प्रमाण पत्र प्रदान कयल गेल । एहि दू दिवसीय युवा महोत्सवक संचालन अकादमीक सदस्य डा0 टी.एन.ओझा एवं श्रीमती रश्मि प्रियदर्शनी कयलनि।

विशेषः

मैथिली जिन्दाबाद केँ उपरोक्त समाचार डा. संजीब सक्सेनाक हस्ताक्षरित प्रेस विज्ञप्ति साभार अमर नाथ झा, अध्यक्ष, मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली मार्फत सानुवाद सहित भेटल। ई समाचार अत्यन्त आह्लादित करयवला अछि आर पहिल बेर उद्देश्य पोषण लेल युवा भाषाभाषीक बीच प्रवेश सँ भाषाक भविष्य सुरक्षित होयबाक अनुभूति भेट रहल अछि। साधुवाद!! – संपादक मंडल

Related Articles