राम नरेश शर्मा, मुंबई। फरबरी १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
चूंकि मैया शारदे के पुजनोत्सव बहूत रास जगह मनायल गेल ताहि लऽ कऽ सब अतिथि केँ बहुत रास आमंत्रण कार्ड आयल छलैन आ हुनका सबके सब ठाम पहुंचनाय संभव नहि छलैन, तइयो सुच्चा मैथिल केँ हरेक तरहक सहयोग कय केँ हुनका सबकेँ उत्साहवर्द्धन केलनि ताहि लेल आयोजन समिति द्वारा सब गोटा केँ कोटि-कोटि धन्यवाद ज्ञापन कैल गेल छल ।

तहिना दिल्ली मे आयोजन समितिक सदस्य अमलेश कुमार मंडल आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न होयबाक आ एहि अवसर मैथिल जनमानस संग विशेष भेंटघांट करबाक सुअवसर भेटबाक जानकारी करौने छथि। सुच्चा मैथिल दिल्ली एहि तैयारी मे पैछला कतेको दिन सँ लागल छल आर सबहक एकजुट सहयोग सँ ई कार्यक्रम संपन्न भेल ओ कहलैन।