राम नरेश शर्मा, मुंबई। फरबरी १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
चूंकि मैया शारदे के पुजनोत्सव बहूत रास जगह मनायल गेल ताहि लऽ कऽ सब अतिथि केँ बहुत रास आमंत्रण कार्ड आयल छलैन आ हुनका सबके सब ठाम पहुंचनाय संभव नहि छलैन, तइयो सुच्चा मैथिल केँ हरेक तरहक सहयोग कय केँ हुनका सबकेँ उत्साहवर्द्धन केलनि ताहि लेल आयोजन समिति द्वारा सब गोटा केँ कोटि-कोटि धन्यवाद ज्ञापन कैल गेल छल ।
सुच्चा मैथिल मुम्बई केर संयोजक तथा सक्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी राम नरेश शर्मा आगन्तुक समस्त अतिथि संगे मैथिली फिल्म “सस्ता जिनगी महग सेनुर” आ “सजना के अंगना सोलह सिंगार” केर निर्देशक श्री मुरलीधर जी प्रति विषेश आभार प्रकट केलनि जे अपन अपार व्यस्तताक बादो आयोजनकर्ता सब केँ उत्साहवर्द्धन करबाक वास्ते ओ आयल छलाह। तहिना दिल्ली मे आयोजन समितिक सदस्य अमलेश कुमार मंडल आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न होयबाक आ एहि अवसर मैथिल जनमानस संग विशेष भेंटघांट करबाक सुअवसर भेटबाक जानकारी करौने छथि। सुच्चा मैथिल दिल्ली एहि तैयारी मे पैछला कतेको दिन सँ लागल छल आर सबहक एकजुट सहयोग सँ ई कार्यक्रम संपन्न भेल ओ कहलैन।

