रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’, मुम्बई। फरबरी १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
सरस्वती माताक ध्यान कैल गेलनि
एहि बेर मुम्बई मे दुइ दिन सरस्वती पूजा मनाओल गेल अछि। खासकय मैथिल बाहुल्य क्षेत्र मे मुम्बई मे माता सरस्वतीक पूजा-अर्चना लेल खूब पंडाल आदि लगाओल गेल सुनलहुँ। हमहुँ सब ठाम तऽ नहि मुदा किछु जगह भगबतीक दर्शन लेल पहुँचल छलहुँ। एहि मे कोनो अतिश्योक्ति नहि जे साल मे सरस्वती पूजाक ई एक दिन मात्र हमरा लोकनि विद्यादायिनी देवीक आराधना करैत छी, बाकी ३६४ दिन तऽ हम सब लक्ष्मीक पाछू भगैत रहैत छी। यैह एक दिन सरस्वती माताक दर्शन होएत अछि।
खारघर नवी मुम्बई मे राजेश श्रीवास्तव केर सहयोगी रवि मंडल, बदलापुर मे अशोक ठाकुर आ राजीव झा, चेम्बुर मे धर्मेन्द्र झा, रमेश मिश्रा, विरार वेस्ट मे कुनाल ठाकुर, भगवान मिश्रा आ बीएसएस केर कमल कान्त मिश्रा, तहिना विरार इस्ट मे सुच्चा मैथिल अरुण ठाकुर, राम नरेश शर्मा, कल्याण केर लोडा मे आ समस्त मुम्बई मे जगह-जगह सरस्वती पूजा खूब धूमधाम सँ मनौलनि मैथिल जनमानस।
एहि सुअवसर पर कइएक तरहक सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कैल गेल छल। सरस्वती पूजनोत्सव मनबैत मैथिल जनमानस मुम्बई मे सेहो एकत्रित भऽ रहला अछि ई मिथिला लेल अच्छे दिन मे गानल जा सकैत अछि।