मैथिल द्वारा दिल्ली मे सरस्वती पूजनोत्सवः मनीष सिसोदियाक सम्मान

दिल्ली। फरबरी १५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

delhi saraswati puja1विद्यापति मैथिल युवा मंच द्वारा विनोद नगर (दिल्ली) मे चौदहम बेर सरस्वती पूजा महोत्सव धूमधाम सऽ मनेलक। आयोजक द्वारा उक्त पूजाक सफल आयोजन हेतु पैछला दू मास सँ तैयारी कैल जा रहल छल। हरेक वर्ष नव-नव प्रयोगक क्रम मे एहि बेर विभिन्न प्रतियोगिताक संग सांस्कृतिक संध्या केर आयोजन कैल गेल छल।

एहि वर्षक आयोजन मे १३ फरबरी केँ विद्यादायिनी सरस्वतीक पूजा तथा १४ फरबरी केँ सविधि विसर्जन कार्यक्रम संपन्न कैल गेल। प्रातःकालीन पूजा आरती मे स्थानीय बाल-बालिका सबहक नीक सहभागिता देखल गेल छल।

delhi saraswati puja2बाद मे चित्रकला प्रतियोगिता जेकर निर्णायक वंदना झा, अरविन्द झा तथा पवन मिश्रा छलाह, हुनका लोकनि द्वारा विजेता सबहक नामक घोषणाक संग समुचित पुरस्कार वितरण कैल गेल। तहिना प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिता जेकर प्रश्नकर्ता मंडल मे पशुपतिनाथ झा, वंदना झा, बबीता झा तथा डौली झा छलीह, हुनका लोकनि द्वारा सहभागी प्रतियोगी सब मे विजेता सबहक नाम घोषणा कैल गेल। एहि क्रम मे संस्थाक स्मारिका ओ कैलेण्डर सेहो विमोचन कैल गेल।
delhi saraswati puja3तदोपरान्त माँ शारदे भवानी केँ संगीतमय संध्या आरती गान कैल गेल। पुनः सांस्कृतिक कार्यक्रम रमेश मल्लिक एंड म्यूजिकल ग्रुप द्वारा प्रस्तुत कैल गेल छल। सांस्कृतिक संध्या नवोदित गायक मदन कुमार झाक स्वर में मैथिली भगवती गीत स’ प्रारम्भ भेल छल। एहि मे पुष्पा झा ओ अनुश्री मिश्रा केर जुगलबंदी में झिझिया केर गायन प्रस्तुति दर्शक सब केँ खूब नीक लगलनि। तहिना राजीव रंजन झा “रॉकस्टार” ओ अमरेश मल्लिक केर जुगलबंदी मे आधुनिक लोक गीत पर नृत्य प्रस्तुति सेहो दर्शक केँ खूब नीक लगलैन।
delhi saraswati puja5बीच बीच में नृत्य प्रतियोगिता जकर निर्णायक रमण कुमार आ प्रियदर्शिनी पूजा छलीह, ताहि मे प्रतियोगी सब द्वारा नृत्य प्रस्तुति केर कार्यक्रम राखल गेल छल। गायन प्रतियोगिता जकर निर्णायक दीपक ठाकुर आ राजीव रंजन झा छलाह, हुनका लोकनि द्वारा सेहो तरह-तरहकेर गायन प्रतियोगी लोकनि द्वारा कराओल गेल छल। सांस्कृतिक संध्या मे मनीष झा बौआभाइ द्वारा मंच संचालन कैल गेल छल।
मानव सेवाक रूप मे निःशुल्क चिकित्सा परामर्श केंद्र आइ कैम्प, फिजियोथेरेपी, फिजिशियन द्वारा सेवा उपलब्ध कराओल गेल छल। एहि समारोह मे विभिन्न पत्र-पत्रिकाक स्टॉल सेहो राखल गेल छल।
delhi saraswati puja6प्रतियोगी छात्र/छात्रा केँ पुरस्कार वितरण ओ अतिथि सम्मान संस्थाक कार्यकर्ता हाथ सँ कराओल गेल छल। एहि आयोजन मे दिल्लीक विभिन्न भाग सँ मैथिली-मिथिला अभियानी लोकनिक नीक उपस्थिति देखल गेल। नीरज पाठक, रमानाथ झा, अखिलेश झा, विमल जी मिश्र, हेमन्त झा, अमरनाथ झा, संतोष राठौर, संजय झा “नागदह”, शरत झा, कमलेश मिश्र, सोनू मिश्र, राहुल राय, विभय कुमार झा, रौशन कुमार झा, सुनील शानू, काशी मिश्र, मुकेश मिश्र, अमरनाथ मिश्र, मुकुन्द मयंक सहित आरो बहुते चीर-परिचित चेहरा एहि सुअवसर पर अपन उपस्थिति देने छलाह। 

delhi saraswati puja7संस्था द्वारा मंच स’ सम्मानित अतिथि मनीष सिसोदिया (उप-मुख्यमंत्री, दिल्ली सरकार), संजीव झा (विधायक, बुराड़ी,दिल्ली), सरिता मिश्रा (पत्नी-जीवेश मिश्र, विधायक, जाले-दरभंगा), सुशील सिंह (आप के बिहार प्रदेश प्रभारी), निशिकांत ठाकुर (वरिष्ठ पत्रकार आ सम्पादक, शुक्लपक्ष), पूनम झा आजाद (वरिष्ठ सदस्य दिल्ली प्रदेश भाजपा), डॉ. बी. के.झा (चिकित्सक आ समाजसेवी) , अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री, नेपाल सरकार), राजीव झा (जेनरल सेक्रेटरी, नेपाल सद्भावना पार्टी), डॉ. बीरबल झा (प्रबंध निदेशक, ब्रिटिश लिंगुआ), सी.ए. हंसराज चुग, सी.ए. गोपाल केडिया, सी.ए. नितिन कँवर, बी. के. शर्मा, ज्ञान चन्द सिंघल, प्रकाश झा (निदेशक,मैलोरंग), मुकेश झा (रेपर्टरी चीफ, मैलोरंग), शुभ नारायण झा (वरिष्ठ अभिनेता फिल्म एवं रंगमंच) आदि लब्ध प्रतिष्ठित लोकनि शामिल छलाह। अतिथि सबहक सम्मान – पाग, डोपटा, संस्थाक स्मृति चिन्ह, स्मारिका ओ कैलेण्डर प्रदान करैत कैल गेल।
सहयोगी संस्था- मैथिली लोक रंग (मैलोरंग), एम. एम. प्रोडक्शन टीम (फोटोग्राफी आ वीडियोग्राफी), श्यामा हॉस्पिटल (आइ कैम्प) आदि छल; तहिना कार्पोरेट सपोर्ट- वेल्वोलिन कमिन्स प्राइवेट लिमिटेड तथा मीडिया पार्टनर – मिथिला मिरर (दिल्ली), मैथिली जिन्दाबाद (विराटनगर, नेपाल), मिथिमीडिया (कोलकाता) आ ई-मिथिला (पटना) छल।
विसर्जन दिनुक पूजा आरती उपरान्त उपस्थित मैथिलानी समूह द्वारा समदाउन गाबि भगवतीक विदाइ करैत मूर्ति विसर्जित कएल गेल छल। पहिल दिनक पूजा स’ ल’ क’ विसर्जन धरि करीब तीन हज्जार स’ बेसी लोकक उपस्थिति रहल आ कार्यक्रम सभ दृष्टिकोण स’ सफल रहल।