पटना, फरबरी ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली लेखक संघ – पटना केर तत्त्वावधान मे आयोजित ‘मैथिली लिट्रेचर फेस्टिवल’ काल्हि सँ शुरु भऽ रहल अछि। ई आयोजन यूथ होस्टल – पटनाक प्रांगण मे आयोजित होयत।
आइ एहि सम्बन्ध मे आयोजक संस्था द्वारा बिहार केर राजधानी पटना मे एकटा प्रेस कान्फ्रेन्स केर आयोजन कैल गेल छल। आयोजनकर्ता द्वारा जानकारी दैत कहल गेल जे नेपाल व भारत सँ कुल २०० मैथिली लेखक – साहित्यकार – स्रष्टा सबहक सहभागिताक अपेक्षा कैल जा रहल अछि। तीन दिन धरि चलयवला एहि साहित्य उत्सव मे कुल १८ गो सेशन्स मे अलग-अलग विषय एवं विधा पर कार्यक्रमक आयोजन कैल जायत। ई जानकारी आयोजनक संयोजक कथाकार अशोक करौलनि।
२०१५ केर अपार सफलताक बाद २०१६ केर एहि उत्सव मे आरो बेसी रास विषय सब केँ समेटल गेल अछि। एहि बेर सोशियल मिडिया पर सेहो एकटा विशेष सत्र राखल गेल अछि जाहि मे युवा अभियानी (लेखक) आदिक संग मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो विमर्शीक तौर पर भाग लय रहला अछि।
दिल्ली सँ मैथिली साहित्य महासभाक पदाधिकारी लोकनि एकर सफलता लेल शुभकामना संदेश पठौलनि अछि। संजीव सिन्हा एहि मे सहभागिता देबाक लेल सेहो अपेक्षा रखलैन अछि। गुआहाटी सँ मैथिली भाषा अभियानी एवं पत्रकार रौशन मैथिल एहि बेर सहभागिता लेल छुट्टी भेटलो उपरान्त सहभागिता देबय सँ मना एहि लेल केलनि अछि जे विद्यमान् कार्यक्रम प्रारूप मे मैथिली पत्रकारिता पर कोनो सेशन नहि राखल गेल अछि। ओना मैथिली लिट्रेचर फेस्टिवल एकमात्र महामंच केर रूप मे अपन प्रखर प्रदर्शन करैत अछि ई भाव मैथिलीक वरिष्ठ लेखक डा. तारानन्द वियोगी अपन फेसबुक स्टेटस द्वारा कहलैन अछि। एहि महान् उत्सव मे भाग लेबाक लेल भारत आ नेपालक विभिन्न ठाम सँ अनेकानेक विभूति सब पहुँचि रहला अछि, संगहि एहि कार्यक्रमक सब सँ पैघ विशेषता समय-व्यवस्थापन होएत अछि – पहिनहि सँ पटना मे डेरा जमौने प्रसिद्ध अभियानी अमित आनन्द कहलैन अछि।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो कार्यक्रमक सफलता लेल शुभकामना अछि। उपरोक्त प्रेस कान्फ्रेन्स मे संस्थाक अध्यक्ष नरेन्द्र झा, महासचिव विनोद कुमार झा, डा. रमानन्द झा ‘रमण’, कुनाल, सुकान्त सोम, श्याम दरिहरे आदि मुख्य व्यक्तित्व सब सहभागी छलाह।