देवडीहा, जनकपुर। फरबरी २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
धनुषा जिलाक देवडिहा गाम – मुख्यालय जनकपुर सँ १० किलोमीटर दक्षिण अवस्थित ओ प्रसिद्ध गाम जतय मान्यता अनुसार अयोध्या सँ आयल राम भगवान् केर बरियातीगण मे रहल देवता लोकनिक जनमासा लगाओल गेल छल, ताहि ठाम हालहि सँ संचालन मे आयल ‘मिथिलाक अनुपम डेग’ केर शाखा द्वारा सरस्वती पूजाक संग-संग पंडित भागवत झा स्मृति समारोह मनेबाक नियार कैल गेल अछि।
ई जानकारी संस्थाक अन्तर्राष्ट्रीय युनिट अध्यक्ष विजय कुमार झा द्वारा दिल्ली सँ मैथिली जिन्दाबाद केँ कराओल गेल अछि। ओ जानकारी करबैत कहलैन अछि जे समारोहक मुख्य उद्देश्य युवावर्ग मैथिल केँ रचनात्मक दिशामे सक्रिय करबाक संग राजनीतिक कारण सँ बँटल समाज केँ साहित्यिक कार्यक्रम द्वारा एकजुट करब होयत। तहिना अपन पूर्वज सबहक अविस्मरणीय योगदान केँ पुनर्स्मरण करबाक लेल हुनक यशस्वी कृति पर आम चर्चा करैत सामाजिक पटल पर राखब सेहो एहि आयोजनक मुख्य केन्द्र होयत।
एहि समारोह मे हास्य कवि सूर्य नारायण झा केर एकल कविता वाचन मुख्य आकर्षणक केंद्र रहत। विदित हो जे कविवर सीताराम झा केर कविता-शैली मे अपन विभिन्न रचना केर प्रस्तुति लेल सुरजु भाइ अर्थात् मास्टर साहेब एहि इलाका मे प्रसिद्धि पेने छथि। तहिना अन्य-अन्य कवि लोकनिक प्रस्तुति सब सेहो उपरोक्त समारोह मे समेटबाक नियार रहबाक बात विजय कुमार झा बतौलनि अछि।
आयोजन पक्ष मे भाइ आलोक झा, गोविन्द झा, भैरव झा, मंजीत झा आ यशोदानंद ठाकुर सहित समस्त ग्रामीणक सहभागिता रहबाक जानकारी भेटल अछि।