मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समितिक वार्षिकोत्सवक तैयारी

साभार फेसबुकः

प्रो. दमन कुमार झा, मधुबनी सँ लिखैत छथि, आर फोटो सहित हुनकर ई अपडेट छन्हि।

madhubani1विदित अछि जे मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति, मधुबनी अपन आठम स्थापना दिवस समारोह खूब धूमधामसं आगामी 8 फरवरी 2016 केँ मनाब’ जा रहल अछि। एहि कार्यक्रममे बहुत रास नव-नव विधा सभ जोड़ल गेल अछि। ओकरे अंतर्गत स्थानीय छात्र-छात्रा केँ प्रोत्साहित करबाक लेल, ओकरामे मैथिली संस्कृतिक अलख जगेबाक लेल मैथिली गीत आ मैथिली समूह नृत्यक एक प्रतियोगिता वैदेही कला परिषद् द्वारा आयोजित कयल गेल छल, जाहिमे प्रथम, द्वितीय एवं तृतीय स्थानक हेतु प्रतिभागीक चयन कयल गेल।

madhubani2एही चयनित प्रतिभागी द्वारा स्थापना दिवस दिन सेहो विभिन्न प्रस्तुति देल जायत आ ओतहि हिनका लोकनि केँ पुरस्कृतो कयल जायत।

निर्णायक मण्डलमे छलाह – सर्वश्री भोलानंद झा, सुमन कुमार आर हम। संगहि संस्था द्वारा प्रत्येक मासक अंतिम तिथिक’ मासिक गोष्ठी निर्धारित रहैत अछि।ओहो आइये छल। जकर अध्यक्षता हमरे द्वारा करबाओल गेल आ समीक्षक छलाह अजित आजाद ।

madhubani3प्रीतम निषादक संचालनमे करीब एक दर्जन कविद्वारा नव- पुरान कविता पढ़ल गेल। किछु कविता छल, किछु अधखिचचु आ किछु खिच्चा छल। सभपर समेकित रूपसं अजित आजाद समीक्षा कयलनि। कवि छलाह — सर्वश्री दिलीप कुमार झा, प्रजापति ठाकुर, आनन्द कुमार झा, प्रीतम निषाद, मिथिलांचली, विश्वबंधु, रेवती रमन झा, दीप नारायण विद्यार्थी, अजित आजाद, दमन कुमार झा, आदि।

madhubani4डॉ कुलधारी सिंह जयपुर साहित्य उत्सवक संस्मरण बहुत रोचक आ प्रभावकारी ढंग़ सं सुनाओलनि। अंतमे अध्यक्षीय उद्बोधन आ डॉ हेमचन्द्र झा जीक धन्यवाद ज्ञापनसं सभा समाप्त भेल।

madhubani5

madhubani6