मैथिली साहित्य महासभा – नव कार्यकारिणीक पहिल बैसार आइ भेल

दिल्ली, जनबरी ३१, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

msm n1आइ मैथिली साहित्य महासभा, दिल्लीक नव गठित कार्यकारिणी केर पहिल बैसार जनपथ स्थित कैफे कॉफी डे मे संपन्न भेल, जाहि मे मैथिली साहित्य संवर्धन आ विभिन्न संगठनात्मक पहलू पर विचार-विमर्श कएल गेल।

एहि बैसार मे विशेष रूप सं अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर 21 फरवरी 2016 कें कांस्टिट्यूशन क्लब मे आयोजित होबय बला संगोष्ठीक रूपरेखा तैयार कएल गेल।

बैसार मे ई तय भेल जे कार्यक्रमक शुभारंभ महाकवि विद्यापति रचित गोसाउनिक गीत ”जय-जय भैरवी” सं होएत आ समापन बाबा नागार्जुन रचित मिथिला गान ”भगवान् हमर ई मिथिला सुख शांति केर घर हो” सँ कैल जायत।

तहिना नव कार्यकारिणी द्वारा निर्णय लेल गेल जे कार्यक्रम मे आमंत्रित विशिष्ट वक्ता लोकनि केँ सुप्रसिद्ध मै‍थिल कवि नागार्जुन केर चित्र मढ़ल सिनेहक प्रतीक चिह्न स्मरणार्थ भेंट कएल जाएत।

मैसाम द्वारा पूर्व घोषित युवा सम्मान (जाहि मे 1 लाख टाकाक राशि देल जाएत) संबंधी विस्तृत जानकारी हेतु पोस्टर जारी कएल जाएत। गत वर्षक संगोष्ठीपर केंद्रित पुस्तिकाक विमोचन कएल जाएत। संगहि संगोष्ठीक उपरान्त एक टा स्मारिकाक प्रकाशन कएल जाएत।

आजुक बैसार मे मैसामक अध्यक्ष आ मैथिल अभियानी श्री अमर नाथ झा, उपाध्यक्ष आ दि.वि.वि. मे प्राध्यापक श्रीमती सविता झा खान, उपाध्‍यक्ष आ विश्व मैथिल संघ केर अध्यक्ष श्री हेमन्त झा, महासचिव आर कमल संदेश केर सहायक संपादक श्री संजीव सिन्हा, सचिव आर सामाजिक कार्यकर्ता श्री संतोष राठौड़, सचिव आ टीवी पत्रकार श्री कान्त शरण, कोषाध्यक्ष आर शिक्षासेवी श्री अमित कुमार चौधरी, सह कोषाध्यक्ष आर सामाजिक कार्यकर्ता श्रीमती रंजना झा, कार्यालय सचिव आर गीतकार श्री विमल जी मिश्र, सह कार्यालय सचिव आर लेखक श्री श्रीचंद कामत एवं मैथिल अभियानी श्री हिमान्शु शेखर सहभागिता दर्ज करौलनि।