प्रकाश कमती, मुम्बई। जनबरी २२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
संस्कार मिथिला फॉउन्डेशन केर संस्थापक सह कार्यक्रम संयोजक कुणाल ठाकुर जानकारी करौलनि अछि जे एहि संस्था द्वारा मानव सेवा निमित्त भारतीय गणतंत्र दिवसक उपलक्ष्य आगामी 26 जनवरी 2016 केर दिन मुम्बई केर उपनगर विरार में “रक्तदान शिविर केर आयोजन कैल जायत।
ई आयोजन संस्कार मिथिला फाउन्डेशन द्वारा पैछला तीन बरख सँ निरंतर गणतंत्र दिवस तथा स्वतंत्रता दिवस पर दुइ-दुइ बेर आयोजित कैल जाएत अछि। एहि आयोजन सँ मैथिल तथा गैर मैथिल दुनू वर्गक लोक केँ आकस्मिक आवश्यकता मे रक्त केर माँग लेल संस्था द्वारा ब्लड बैंक सँ उपलब्ध करेबाक एकटा पारस्परिक संबंध बनायल जेबाक जानकारी करौलनि कुनाल ठाकुर। संस्कार मिथिला फॉउन्डेशन केर एकटा खासियत इ अछि जे सांस्कृतिक कार्यक्रम सँ विशेष मिथिला मैथिली केर समाजिक कार्य तथा मानवताक सेवा निमित्तिक व्यवहारिकताक पक्ष पर बेसी जोर देल जाएछ।
संस्कार मिथिला फॉउन्डेशन 2010 सँ अस्तित्व में अछि जेकर पंजीकरण वर्ष 2015 में भेल आर धरातल पर लगातार अपन समाजिक कार्य सँ प्रशंसनीय छाप छोड़ि रहल अछि। संस्थाक संस्थापक कुणाल ठाकुर केर अलावे अध्यक्ष मदन झा, उपाध्यक्ष अनिल प्रसाद, सचिव भगवान मिश्रा, सहसचिव श्यामानंद, कोषाध्यक्ष शशिकांत मिश्रा, सहकोषाध्यक्ष संतोष झा सहित विभिन्न समर्पित समाजसेवी सदस्य लोकनिक अथक प्रयास सँ ई आयोजन भऽ रहल अछि। एहि संस्था द्वारा मैथिल समाजक अभिन्न अंग विद्या आ ताहिक देवी वीणाधारिणी विद्यादायिनी सरस्वती केर पूजाक तैयारी सेहो खूब जोर-शोर सँ कैल जेबाक जानकारी भेटल अछि।
कुणाल ठाकुर सदैव समाजिक काज सँ जुड़ल रहैत छथि, संगहि “दहेज मुक्त मिथिला” केर महाराष्ट्र युनिट केर संरक्षक पद पर सेहो हिनका मनोनीत कैल गेलनि अछि, हिनकर योगदान सांस्कृतिक कला-कौशल में सेहो अगुआरूप मे सहभागिता रहैत अछि, मुसहर जनकल्याण समिति द्वारा बिहार सरकार केर तत्त्वावधान में मिथिलांचल लोकपर्व महोत्सव में सेहो अपन प्रस्तुति देबाक विशेष स्मृति मैथिली जिन्दाबाद सँ शेयर केलनि। आगामी समय मे सेहो अपन समाज लेल सदैव आगू रहबाक आश्वासन दैत मैथिली जिन्दाबाद वेट न्युज पोर्टल केर लोकप्रियताक विशेष चर्चा करैत कहैत छथि जे एहि पर समाद पठायब यानि सौंसे मिथिलाक लोकक माझ पहुँचब समान होएत अछि।